मैथिली मे हिट फिल्म देबाक लेल नव प्रयोगक आवश्यकता छैक: अभिनेता मिथिलेश चौरसिया

जुलाई १७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

chhaura agatti chhauri bhagavati posterहालहि ३ जुलाई २०१५ रिलीज भेल मैथिली फिल्म नव इतिहास रचबाक पथ पर अग्रसर अछि। निर्माता तथा अभिनेता मिथिलेश चौरसिया अत्यन्त प्रसन्नताक संग जानकारी करौलनि जे फिल्मक प्रदर्शन सँ लगायल गेल पूँजी ऊपर भऽ गेल, ई साधारण बात नहि भेल मैथिली फिल्म लेल। छौंड़ा अगत्ती छौंड़ी भगबत्ती मैथिली फिल्म हाल किछुए जिला मे प्रदर्शन केलक जेकरा देखबाक लेल दर्शकक रुचि उत्साह बढबयवला अछि। जतेक हौल मे मे लागल सबटा मे बहुत नीक ब्यापार केलक ई फिल्म। मात्र १५ दिनक अन्तराल मे लगानी कैल पूँजी उगाही भऽ गेल अछि आ निरंतर प्रदर्शन सँ नीक मुनाफा कमेबा दिशि बढि चुकल अछि।

मैथिली फिल्म मे नव प्रयोगक आवश्यकता छैक। एहि फिल्म मे मारधाड़-एक्सन केर भरपूर तकनीकी प्रयोग कैल गेल छैक। दर्शक केँ मनमाफिक फिल्म बनेला सँ लाभ कमेनाय सुनिश्चित छैक – अपन भावना मे जोड़ैत छथि मिथिलेश। मैथिली जिन्दाबाद केँ धन्यवाद करैत ओ कहलनि जे मैथिली भाषा मे सशक्त मिडियाक भूमिका ई निर्वाह करत से हमरा सबकेँ विश्वास अछि। एकटा समाचाररूपी समीक्षा जे मैथिलीक चीर-परिचित अभिनेता शुभनारायण झा लिखने छलाह तेकरा कम सँ कम लाखों आदमी धरि पहुँचेबाक कार्य मैथिली जिन्दाबाद केने छल। मैथिली भाषाक पठनीय वेबपोर्टलक अभाव छल तेकरा मेथिली जिन्दाबाद पूरा कय रहल अछि।

मिथिलेश चौरसिया तथा फिल्मक कलाकार लोकनि एतय विराटनगर सेहो अयबाक सूचना देलनि अछि। एहि फिल्मक मार्केटिंग नेपाल मे सेहो शुरु कैल जेबाक जानकारी दैत चौरसिया कहला जे मैथिली सिनेमाक विकास मे नेपालक अपूर्व सहयोग भेटैत छैक। कलाकार सँ लैत निर्देशन आ आधुनिक कैमरा, तकनीक, एडिटिंग, रेकर्डिंग आदि बहुत कम खर्च पर भऽ जाइत छैक। तैँ भारत-नेपाल मैत्री मे मैथिली फिल्म सेहो समुचित भूमिका निर्वहन करैत अछि से ओ दावी केलैन। मैथिली जिन्दाबाद पर शीघ्रे पढबाक अवसर भेटत मिथिलेश चौरसियाक संपूर्ण साक्षात्कार केँ, एहि लेल हुनकर विराटनगर आगमनक इन्तजार अछि।