दिल्ली. जुलाई ९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
क्रमश: मैथिली भाषाक उत्कर्ष ऊपरमुखी बनि रहल अछि। डीडी बिहार पर १६ जुलाई सँ प्रत्येक वृहस्पति दिन संध्या ६ बजे सँ देखायल जायत एकटा मैथिली धारावाहिक – “एस. एन. झा के गजबे दुनिया”। एहि धारावाहिक मे मुख्य भूमिका मे छथि ‘डमरू उस्ताद’ केर हिरो ‘अनिल मिश्र’ तथा ‘मुखियाजी’ केर हिरोइन ‘रौशनी झा’। आर्द्रा मूवीज प्रा. लि. केर प्रोडक्शन मे एहि धारावाहिक केर निर्माण तथा निर्देशनक कार्य भवेश नन्दन द्वारा कैल गेल अछि, ओतहि पटकथा विकास चंद्र झा द्वारा लिखल गेल अछि। सिनेमैटोग्राफी खालिद अब्बास केर, सम्पादन एल. के. शशि आ कार्यकारी निर्माता मे मुकेश चन्दन, प्रशांत कुमार, गुंजन कुमार तथा सहायक निर्देशन – अविनाश प्रभाकर, अमिताभ भूषण, ओमप्रकाश गुंजन, अपर्णा झा केर अछि। निर्माता-निर्देशक भवेश नन्दन मैथिली भाषा एवं मैथिली मीडिया जगत् लेल ई अपार हर्ष आ गौरवक विषय मानलनि अछि जे दूरदर्शन सनक जनसाधारण लेल सुलभ चैनल पर आइ धरिक इतिहास मे एहेन दोसरे बेर होमय जा रहल अछि जे कोनो मैथिली धारावाहिक केर प्रदर्शन कैल जायत। संगहि ओ एहि धारावाहिक केर सफलता लेल समस्त मैथिल जनमानस सँ सहयोगक अपेक्षा केलनि अछि।

12 Comments
ख़बैर के फोटो में धरवाहिकक दृश्य/पोस्टर/मुख्य नायक नायिकाक छवि होबाक चाही छल.
प्रस्तुत/सलग्न फोटो स’ किछु स्पष्ट नै भ’ पाबि रहल अछि जे इ धारावाहिक के की द्रिस्यनुभव होयत.
कृपया धरवाहिकक पोस्टर लगावी.
धन्यवाद.
कथित धरवाहिकक लेखक
विकास झा
धारावाहिक केर फोटो भवेश नन्दन वा अहाँ वा कोनो माध्यम सँ जखन उपलब्ध होयत तऽ जरुर लगा देब। एखन जतेक तकनीकी पक्ष आ समायोजन संभव भेल, सार्वजनिक सूचना संप्रेषण हिसाब सँ समाचार प्रकाशित कैल गेल। एक लेखक केर रूप मे अहाँ केँ अपन भावना मे ओहि बात केँ समेटबाक चाही। एहि सँ जे छूटल अछि से पूरा होयत, मैथिल मधुर व्यवहारिक बनि रहू। – प्रवीण चौधरी, संपादक।
फोटो भेह रहल छि, अपने मेल आई डी बताऊ
[email protected]
Avinash ji sambhaw hua ta [email protected] par seho serial ke photo forword kari..
जी प्रवीन जी..सुझाव के संज्ञान में लेबाक लेल धन्यवाद.
“मैथिल मधुर व्यवहारिक बनि रहू” के तात्पर्य नई बुझि सकलौ..कने स्पष्ट करी.
फेर सौ धन्यवाद.
विकास.
एकर तात्पर्य भेल जे ओंकरीक नाक टेढ निकालबाक स्थान पर ओंकरीक स्वभाव बुझि कमी-कमजोरी स्वयं पूरा करबाक प्रयास करी। मैथिलक मधुर-व्यवार सँ हरेक गाम आ समाजक सनातन संरचना आइ धरि जीबित अछि, राजनीति आ छूछ आलोचना एहि मे कतहु फिटकिरी जेकाँ दूध फाड़बाक काज करय लागल अछि।
प्रविन जी..अपने जाहि तरहे गप द रहल छी से कोनो प्रकारे मधुर नइ अछि।
अहा के वेब पत्रकारिता के शौक अछि त कने कामन सेंस के सेहो प्रयोग करू।
एना बुरिराजे पंच लक्षणम बला कठपिंगली केनाय नीक गप नहि थिक।
सौसे धिनायल अछि जे अपने कोन तरहक छुच्छ राजनीति बला तुच्छ आलोचक छी।
विशेष अगिला कमेंट में
अहाक लोहछल प्रतिक्रिया के वाट ताइक रहल छी
कने सम्हैर क बाजब
एहि बेर धन्यवाद नइ लिख रहल छी
विकास
तखन तऽ वैह भऽ गेल जेकर हमरा डर छल…. अहाँक जीवन लेल शुभकामना!! प्रवीण अपन कार्य मे व्यस्त अछि। अहाँ अपन जीवनक मार्ग पर आगाँ बढैत रहू!! प्रतिक्रियावादी बनिकय समय खराब केला सऽ किछु नहि भेटैत छैक।
उम्मिद अछि जे,छौड़ा अगग्ती छौड़ी भगवती कें सुन्दर प्रभाव सँ आ फिल्मक निर्माता निर्देशक कें लगन,कलाकार सभक जोरदार मिहनत कें कारण,मैथिली फिल्मक उजरल दुनियाँ पुन: सँबरत । बहुत बहुत शुभकामना । जय हो । मैथिली जिन्दाबाद ।
nikgar prayash. Dharawahik k safalta k kamna kare chhi. iti subham.
Bahut sunder Sandesh bhet Rahal ai Maithil ke lel ki ai tarhak sirial aab tv Par Dekhal jait.Ham sab ta IntjarMe chhi Ki jaldi sirial Ke aarambh Bha jai ki dd bihar chainal laga Ka Chhoir debai .Je Bajai se Maithil je suni se Maithili.dhanyabad Oi loknik Je Ai tarhak Bichar Kela koti Koti dhanyabd