डीडी बिहार पर प्रदर्शित होयत मैथिली धारावाहिक: एस. एन. झा के गजबे दुनिया

दिल्ली. जुलाई ९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

bhavesh nandanक्रमश: मैथिली भाषाक उत्कर्ष ऊपरमुखी बनि रहल अछि। डीडी बिहार पर १६ जुलाई सँ प्रत्येक वृहस्पति दिन संध्या ६ बजे सँ देखायल जायत एकटा मैथिली धारावाहिक – “एस. एन. झा के गजबे दुनिया”। एहि धारावाहिक मे मुख्य भूमिका मे छथि ‘डमरू उस्ताद’ केर हिरो ‘अनिल मिश्र’ तथा ‘मुखियाजी’ केर हिरोइन ‘रौशनी झा’। आर्द्रा मूवीज प्रा. लि. केर प्रोडक्शन मे एहि धारावाहिक केर निर्माण तथा निर्देशनक कार्य भवेश नन्दन द्वारा कैल गेल अछि, ओतहि पटकथा विकास चंद्र झा द्वारा लिखल गेल अछि। सिनेमैटोग्राफी खालिद अब्बास केर, सम्पादन एल. के. शशि आ कार्यकारी निर्माता मे मुकेश चन्दन, प्रशांत कुमार, गुंजन कुमार तथा सहायक निर्देशन – अविनाश प्रभाकर, अमिताभ भूषण, ओमप्रकाश गुंजन, अपर्णा झा केर अछि। निर्माता-निर्देशक भवेश नन्दन मैथिली भाषा एवं मैथिली मीडिया जगत् लेल ई अपार हर्ष आ गौरवक विषय मानलनि अछि जे दूरदर्शन सनक जनसाधारण लेल सुलभ चैनल पर आइ धरिक इतिहास मे एहेन दोसरे बेर होमय जा रहल अछि जे कोनो मैथिली धारावाहिक केर प्रदर्शन कैल जायत। संगहि ओ एहि धारावाहिक केर सफलता लेल समस्त मैथिल जनमानस सँ सहयोगक अपेक्षा केलनि अछि।