जुलाई ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

जयनगरक एक हाल मे ‘छौंड़ा अगत्ती छौंड़ी भगबत्ती’ मैथिली फिल्म देखबाक लेल उमड़ल भीड़…. हाउसफूल चलि रहल अछि।
‘छौरा अगत्ती छौरी भगबत्ती ‘ भरपूर मनोरंजन आ एक्सन सँ भरल ‘खुरलुच्ची’ केर बाद दोसर फिल्म थीक। एहि मे स्टार कलाकार मिथिलेश चौरसिया संग रबीना खरकाक अभिनय अछि। तहिना फिल्म जगत् केर नामीगामी कलाकार विजय मिश्र आ शुभनारायण झा संग भरतभूषण यादव, बैद्यनाथ साह, निलेश दीपक इत्यादि चीर-परिचित कलाकार सऽ अभिनित एहि मैथिली फिल्म मे मिथिलाक सर्वश्रेष्ठ संगीत तथा आवाजक धनी पवन नारायण केर मधुर संगीत सँ भरल अछि। रीम विश्वकर्मा द्वारा निर्देशित मैथिली मे पहिल बेर रेड कैमरा सँ छायांकन कैल गेल अछि। सिनेमा मधुबनी जिलाक प्रत्येक सिनेमा हाल मे ३ जुलाई सँ प्रदर्शित होमय लागल अछि आ अगिला सप्ताह सँ दरभंगा जिला मे रिलीज होयत।
मैथिली फिल्म केर साथ-साथ कलाक्षेत्र मे अपन जीवन भरिक लगानी कएनिहार वरिष्ठ फिल्मकर्मी शुभनारायण झा जे एहि फिल्म मे सेहो बेजोड़ अभिनय लेल चर्चा मे छथि, ओ अपन फेसबुक अपडेट मे फिल्मक सफलता पर प्रसन्नता जाहिर करैत लिखैत छथि जे “कि आइब गेल मैथिलीक सुदिन?” निश्चित रूप सँ कइएको बेर श्री झा मैथिली भाषाक चौतर्फा सफलता लेल एकमात्र फिल्म टा होयबाक बात कहैत आबि रहला अछि, आ एहि फिल्म केर अभिनेता तथा निर्माता मिथिलेश चौरसियाक फेसबुक द्वारा दर्शक केँ हाउसफूल शो चलेबाक लेल धन्यवाद ज्ञापन संदेश पढि एहि तरहक उत्साहित टिप्पणी केलैन अछि। विशेषज्ञक कहब कोनो गलत नहि छन्हि, चाहे हिन्दी भाषा केर विश्वभाषा मे प्रसिद्धिक बात हो, चाहे भोजपुरीक बाजार मूल्य बढैत अनेको देशक भाषाक रूप मे स्थापित होयबाक बात हो, एहि सब सफलता लेल फिल्म टा स्रोत प्रमाणित भऽ चुकल अछि।
शुभनारायण झा अपन विशेष संबोधन मे लिखैत छथि, “मैथिली फिल्म छौरा अगत्ती केर अपार भीड़ देखि बारी पटुआ तीत बुझैवला सिनेमा हाल केर मालिक सब आगां बैढ कय निर्माता केँ अपन हाल मे लगाबैय लेल अनुरोध शुरु कऽ देलनि। ईद केर अवसर पर लगैयवला सलमानक फिल्म बजरंगी भाइ लऽ कऽ मिथिलांचलक बहुत रास हाल मालिक असमंजस मे छथि। मुदा देसिल बयना केर बढैत वजूद मैथिली आन्दोलन केँ बढेबा मे फिल्म अपन भूमिका सिद्ध करबाक हेतु अग्रसर भेल। मैथिलीक सुदिन प्रारम्भ भेल।
विगत 5 वर्ष मे बिहारक कोनो हाल ‘हाउसफूल’ केर मूह नै देखने छल। 10 जुलाई सँ एहि फिल्मक प्रदर्शन सीतामढी केर आर डी पैलेस मे होयबाक शुभ समाचार सेहो भेटल अछि। – मैथिली जिन्दाबाद संग अपन भावना शेयर करैत श्री झा मैथिली फिल्म सँ जुड़ल संबंध अन्त मे सफलता दिशि जाइत देखबाक बात सेहो कहलैन।

5 Comments
उक्त फिल्म हमर लिखव सात गोट गीत अछि आ दु गीत ईद मोहम्मद के । गायन पवन नारायण, माधव राय, अल्का , कृतिका गौतम आदि ।
ye Internet par kahiya tak yaat
बहुत निक
एहि सुभ समाचार सुनिक मोन गद गद भोगेल उप्रोक्त आलेख कय सेहो हम सत प्रतिशत समर्थन करैत छि जे कुनु भि भाषा विकासक मुख्य श्रोत फिल्म होयेत अछी फिल्म स भाषा कय सर्वाङिक विकाश होएतअछ गीत सङीत श्रोता दर्शक लेखक निर्माता निर्माण आदि सभक लगाब बढैतअछ आर भाषा केर विकास मुर्त रुप पबैतछ अन्त मे यहि फिल्म के सम्पुर्ण सदस्यगन के हार्दिक बधाई दैत छि ।
Wow bahute exa
Interesting
Internet p kahiya tk yait