दरभंगा, जुलाई ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
अखिल भारतीय मिथिला पार्टी एहि बेर जोर-शोर सँ विधानसभा चुनावक तैयारी मे लागि गेल अछि। अभामिपा केर राष्ट्रीय महासचिव रत्नेश्वर झा केर अध्यक्षता मे दरभंगा मे एखनहि संपन्न एक बैठक द्वारा कुल २१ उम्मीदवारक नामकेर घोषणा कैल गेल अछि। “जे मिथिलाक बात करत वैह मिथिला पर राज करत” – एहि कठोर संकल्पक संग सम्पन्न आजुक बैसार मे पार्टी महासचिवक अतिरिक्त प्रदेश अध्यक्ष सदरे आलम खान तथा अन्य अधिकारी लोकनि सेहो भाग लेलनि। विदित हो जे हालहि नवगठित कार्यसमितिक संग अभामिपा अपन चुनावी एजेन्डाक संग-संग संपूर्ण क्षेत्रक सघन दौड़ा करय मे लागल अछि। अर्जुन समान लक्ष्य पर दृष्टि रखैत आजुक सूची जारी कैल जेबाक जानकारी मैथिली जिन्दाबाद केँ भेटल अछि।
आइ जारी सूची मे डा. प्रभाकर झा (खजौली), लाल पासवान (राजनगर), फैज अहमद (बिस्फी), शैलेन्द्र मिश्र (झंझारपुर), सदरे आलम खान (जाले) हरि प्रसाद राम (समस्तीपुर), सुशील कुमार यादव (साहेबपुर), गुलाब सहनी (परबत्ता), बैजनाथ पासवान (बखरी), उमेश चन्द्र भारती (सिमरी बख्तियारपुर), निर्मल मिश्र (सहरसा), गंगा प्रसाद (अररिया), पंकज मंडल (फारबिसगंज), दीपचंद ऋषिदेव (रानीगंज), कन्हाई मंडल (मनिहारी), शंभु पासवान (सुपौल), साधना देवी (महिषी), चन्द्रशेखर झा (त्रिवेणीगंज), संजय ठाकुर (मिनापुर), गोपाल पाठक (बेनीपट्टी), सुनील यादव (खगड़िया) केर नामक घोषणा महासचिवकेर हस्ताक्षर सँ जारी कैल गेल अछि।