Search

उदीयमान नेता ‘पप्पू यादव’: मिथिलाक धरतीपुत्रक सशक्त राजनीति सँ जागि रहल नव आशा

pappu happy ramajaanकर्पुरी ठाकुर केर जमानाक बाद कर्पुरीक नाम खूब भजाओल गेल। लोहिया आ जयप्रकाश नारायणक क्रान्तिभूमि मिथिला सँ सुरजनारायण सिंह सहित अनेको समर्पित समाजवादी नेता केँ भले सामंती शासकवर्ग अपरोक्षरूप सँ दमन करैत जनबल केँ पाइ आ बाहुबली केर आतंक सँ कीनि लैत रहल कहियो, मुदा मिथिलाक उर्वरक भूमि सदिखन कोनो न कोनो रूप मे देशक सेवा लेल सुच्चा नेता दैत रहल अछि। विकासपुरुष ललितनारायण केर चर्चा हरेक जुबान पर मिथिला मे रहैत अछि। मुदा आधुनिककाल मे काँग्रेसक मुंह सँ जखन वी. पी. सिंह आ बोफोर्स कांड सत्ता छीनबाक कार्य केलक, लालू यादव समान तेज-तर्रार आ बोली-वचन मे माहिर नेताक हाथ सत्ता पहुँचल, तेकर बाद काँग्रेस लेल बिहारक सत्ता मानू जेना दिवा-स्वप्न बनिकय रहि गेल हो। जगन्नाथ मिश्र आ भागवत आजाद सेहो मिथिलाक लाल रहि बिहारक सत्ता-संचालक बनलाह। राम विलास पासवान केन्द्रीय स्तर पर उच्च पद धरि पहुँचनिहार मिथिलाक पुत्र भेलाह। वर्तमान मे राधा मोहन सिंह होइथ वा गिरिराज सिंह – हुकुमदेव ना. यादव होइथ वा कीर्ति आजाद – तस्लीमुद्दीन होइथ वा साहनवाज – मिथिलाक्षेत्रीय नेतृत्वकर्ताक ऊंचाई सब दिन राष्ट्रहित मे बनल रहल अछि। बिहार केर सत्ता मे विगत किछु वर्ष सँ मिथिलाक नेता सबहक पहुँच केँ प्राथमिकता नहि भेटल अछि, भले दोसर पंक्ति मे यैह सब ओतहु नाम करैत होइथ। नितीश मिश्र, संजय झा, आदिक नाम सेहो विकासवादी आ सुधारवादी नेताक रूप मे गानल जाइछ। लेकिन अग्रिम पंक्ति मे नेतृत्व करबाक जे जोश मधेपुरा सँ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव केर न्यायपालिका सँ निर्दोष करार देलाक बाद निरंतरता मे अछि, ई अन्य कोनो नेता मे नहि अछि।

अकेला पप्पू यादव पिछला एक महीना मे बिहार लेल एकटा वैकल्पिक समाधान देनिहार नेता जेकाँ उभैरकय जनताक सोझाँ अयला अछि। राष्ट्रीय जनता दल सँ निष्कासन पूर्वहि सँ राजनीतिक बुनियाद पारिवारिक विरासत सँ नहि हेबाक कठोर संघर्षक घोषणाक संग-संग राज्य आ जनता सँ जुड़ल लगभग हरेक विषय पर हिनक दृष्टिकोण सामाजिक संजाल ‘फेसबुक’ मार्फत आ मिडियाक मार्फत भेटैत रहैत अछि। स्पष्ट दृष्टिकोण आ सशक्त अभियानक संग पप्पू यादवक संघर्ष मे ‘युवा’ केर प्रधानता होइत अछि। ‘युवा शक्ति’ केर स्थापना सेहो संयमित-नियमित आ पूर्व नियोजित योजना अनुसार ई केलनि से स्पष्ट देखाइछ। वर्तमान समय लालू यादव केर यादव-विलाप केँ पर्दाफास करैत राज्य सरकार मे व्याप्त जंगलराज केर राजनीतिकेँ सेहो प्रहार करैत पप्पू यादव अपन पूर्ण संघर्षक परिचय दैत छथि। सच देखल जाय तऽ राज्य मे विपक्ष सेहो एतेक सक्रियता सँ जनताक हित मे नहि सोचि पबैत अछि। पप्पू यादवक समर्थक संग बुद्धिजीवीवर्ग मे सेहो एकटा नया राजनीतिक विकल्प भेटबाक चर्चा जोर सँ रहल अछि। तेसर मोर्चाक स्वरूप केँ विकास हेबाक बात सेहो कतेको विश्लेषक करैत छथि। मिथिलावासी (पूर्वी-पश्चिमी व दक्षिणी) सबहक मन मे एकटा नया आशाक किरणक नाम पप्पू यादव बनि गेल अछि।

Related Articles