मांगक झुनझुन्ना पर औनाइत मैथिली आंदोलन

विशेष संपादकीय

– किसलय कृष्ण, समाचार संपादक, मैथिली जिन्दाबाद!!

ranju jhaडीडी मैथिली चाही, चाही हमरा एम्स……. हे स्मार्ट सिटी आ एम्स त चाहबे टा करी, … आौर किछु नहिं तऽ प्राथमिक शिक्षामें मैथिलीये द’ दिअ ! हम सभ सात करोड़ मैथिली भाषी अपन अधिकार लेल लड़ैत रहब आ बेगूसराय, खगड़िया, किशनगंज आदिक विलग टोन कैर मैथिली पर प्रश्न चिन्ह उठबइत रहब, पंचकोसी आ भदेशी भाषाक विषवमन क’ पहिनहि सत्यानाश क’ चुकल छी हम सभ मिथिला आ मैथिलीक ! तीन टा रेडियो स्टेशन भेटल हमरा सभकेँ ….. दरभंगा, भागलपुर आ पूर्णिया (अल्पकालिक) ! कि भेल एहि रेडियो सभक स्थिति ??? भाषायी अंतर्द्वन्दमे भागलपुर केर मुख्य स्वर अंगिका ( मैथिली साहित्यक महंत सभक दोहरा मापदंडक फलस्वरूप विलगित मैथिली ) बनल ! पूर्णिया हिंदीक पेटमें गेल आ रेडियो दरभंगा…..? किबोर्ड केर बटम केँ टीपैत हंसी लागि रहल अछि….. बज्जिकाक कोरामें बैसि कखनो – कखनो मैथिलियो भाखैय’…..!

आश्चर्य तखन लागत जखन बज्जिका कविता आ गीत प्रस्तुतिमे चाँद हरियरकी नेमरि लेल मैथिलीक स्थापित नामो सभ अपन तृष्णाक त्याग नहिं क’ पबैत छथि ! सांझ मे मंच पर डील अपन भाषण आ पहिरल पागके कोठी कान्ह पर राखि भाषाक सत्यानाश मे कोनो टा कोताही नहिं करैत छथि आ हम सभ…? फेसबुक आ आन सोशल मीडिया पर अपन माँग केर झुनझुन्ना झनझना क’ व्यस्त आ मस्त रहबाक अभ्यस्त भ’ गेल छीं ! वाह रे हम… वाह रे हमर लाइक… वाह रे हमर कौमेंट्स…!

अधिकार लेल मात्र फेसबुक आ कि अखबार नहिं , सहरजमीन पर आंदोलन करय पड़त आ से मैथिलमे ओ कुब्बत सेहो छै ! कंदर्पीघाट युद्धमे सत्तर सेर जनेऊ शोणित में सानाल भेटल छलैक… झारखंड राज्य आंदोलनक पहिल शहीद पं. सदानन्द झा एखनो ललकार द रहला अछि.. जे आंदोलन सं सभ किछु भेटत… मुदा ताहि लेल ओहि सात करोड़ मैथिल सर्वहारा केँ बुझाबय पड़त जे भाइ रे तोरे नऽ मैथिली असली छौक, तोंहुँ मैथिल छह हउ भाय…. पंजाब वाला पंजाबी, बंगाल वाला बंगाली त’ मिथिला वाला अपना आउर मैथिल भेलियै भइया मोरे….. ई बरगाही नेता आउर अपन रोटी सेकयमे फूट डालैत छह ! हँ… बन्धु सांच यैह छै जे हम सभ माँग केर बहन्ने समय कतिया रहल छीं ! हमरा सभक सभ माँग कैर निदान स्वयं अपना लगे मे अछि…….

मैथिलीक एक कवि केर उक्ति छनि जे ….” यौ पंडित जी पतरा देखू , कहिया धरि सरकार चलत ! बदलत जं नहिं गमक लोक त’ की बदलि सरकार करत !” ई यथार्थ छैक….. एक बात कहू जे सभ ऐखन समाचार पढ़ि रहल छी, ओहिमे सं कतेक लोक केर धिया-पुता सरकारी विद्यालयमे अछि ??? जखन प्राइवेट दुकाने मे अछि बच्चा… त’ ग्रुप बनाबु आ घोषणा करू जे विद्यालय प्राथमिक शिक्षाक माध्यम सँ मैथिली राखत.. ओकरे मे हमरा सभक बच्चा नाम लिखाओत…. देखि लेब जे स्थिति कोना बदलि जाइत छैक ! तहिना पहिने अपन रेडियो स्टेशन केँ पूर्ण मैथिलीकरण कराबु, फेर डी डी मैथिली सेहो लेब ! मैथिली सिनेमा लेल परदा नसीब नहि आ गम हमारा आ नाम तोहड़ा केर तर्ज पर आन भाषा केर फ़िल्म चलैत अछि…एकर विरुद्ध जं-आंदोलन करू हुंकार संग ! मैथिली आकि मिथिला आंदोलन सं ज़ुडाल सभ संस्था
आ कि पार्टी केर जहिया घोषित मिथिला केर एक-एक प्रखंडमे कमिटी आ कार्यकर्ता तैयार भ’ जायत … तकर पंचमा साल मिथिला
राज्य………..!!! नहि त’ हम सभ एहिना झुनझुना बजबैत अपने सुनेत रहब……..!!