नेपालमें पुनः सुरुवात भेल रेल सेवा;काल्हि स’ नियमित परिचालन

423

मनीष कर्ण ,जनकपुरधाम २ अप्रिल२०२२ मैथिली जिन्दाबाद!!नेपालक एकमात्र रेल करीब ८ वर्षक बाद आई सँ परिचालन भ’रहल अछि।नेपालक प्रधानमंत्री शेरबहादुर देउवा आ भारत समकक्षी नरेंद्र मोदी संयुक्त रूप में  दिल्ली सँ करताह।दिल्ली सँ भर्चुअल माध्यम केर आधारमे स्विच दबाक’ उद्घाटन करबाक कार्यक्रम रहल अछि।भारतक जयनगर सँ जनकपुरधामक कुर्था धरि ३४ दशमलव ५ किलोमीटर दूरी तय क’र करीब १२:३० बजे जनकपुरक लेल प्रस्थान करबाक बात रेलवे महाप्रबंधक निरंजन झा जानकारी देलन्हि।

एम्हर जयनगर में उद्घाटन समारोह क सब तयारी सेहो पूरा भेल गेल झा बतोलथि।स्टेशन पर उदघाटन समारोह के लाइव देखबाक लेल प्रोजेक्टर आ विधुतीय माध्यम क व्यवस्था मिलाओल गेल अछि।रेल्बे के विभिन्न फूल लगाक’ सजाओल गेल अछि। शनि दिन उद्घाटन भेलाबाद रवि दिन सँ रेल आम जनता लेल जयनगर सँ सन्चालन होयत। जयनगर स’ कुर्था लेल भोरे सवा आठ बजे खुलत।रेल करीब २ घण्टा बाद धनुषाक कुर्था पहुँचत।ताहिना कुर्था सँ जयनगर लेल करीब ११बजे निकलत।ओ ट्रेन करीब १२:३० बजे जयनगर पहुँचत महाप्रबंधक झा बतोलथि।ट्रेन दिनमें २बेर आवतजावत करत।
नेपाल सरकार खरीद क’ लायल रेल बिगत फागुन स’ यात्री बिना(ड्राइ रन) सन्चालन होयत आएल अछि।रेल सँ सम्बन्धित विधेयक नहि भेला कारने रेल परिचालन होअब समय लागल बात झा केर कहब छनि।जयनगर सँ जनकपुरधामक होइत कुर्था धरि भाड़ादर निधार्रित काएल गेल अछि।जयनगर सँ कुर्था वास्ते समान्य नेपालीरु.७० टाका सँ एसी वातानुकूलित लेल रु.३५० धरि रहल अछि।