Search

शराबबंदी-नशाबंदी लेल कैल जा रहल अछि प्रदर्शन

313 भ्यूज

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। जुन ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद।

शराब बंदी के लेल ‘मातृ शक्ति’ केलक प्रदर्शन

naaree shaktiसहरसा मे महिला ब्रिगेड केर सदस्य सब हाथ मे झारु, तलवार, लाठी आदि चमकाबैत पुरुष-प्रधान समाज सहित राज्य केर शासन-तंत्र समक्ष प्रदर्शन कयलक। शराब पीबिकय हो-हल्ला मचेनाय आ महिला संग मारि-पीट, बलात्कार आदि पर तत्काल रोक लगेबाक माँग सहित केर नाराक संग हल्ला-बोल प्रदर्शन कयलनि। संगहि अध्यक्ष त्रिपुल देवी कहलनि जे नारी शक्ति पर भऽ रहल अत्याचार केर विरुद्ध संगठन आवाज़ उठायत जाहि मे शराबी सबहक समाजिक बहिष्कार कयल जायत एहि संगठन मे सुनीता देवी. नीतू देवी. उषा देवी. रेणु देवी. सुगिया देवी, शबीना खातून सब पर्दर्शन कयलनि।

 

Related Articles