प्रवीण नारायण चौधरी, विराटनगर। १३ जनवरी २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!
अहमदाबाद मे २ फरवरी केँ होयत मैथिली जिन्दाबाद
प्रस्तावित मिथिला विभूति स्मृति महोत्सव मे दशकक नव उपहार

परिकल्पक राजकिशोर झा सँ बातचीत मे ओ कहलनि जे एहि सत्र मे मैथिली भाषा, मिथिला संस्कृति, लोकरीति-रिबाज आदिक संग अन्य सामान्य ज्ञान सँ जुड़ल लगभग २०० प्रश्न अहमदाबाद व आसपास जतय सँ दर्शक लोकनिक सहभागिता अपेक्षित अछि ताहि सब ठाम पर एक सप्ताह पूर्वहि सँ प्रचारित-प्रसारित कयल जायत। उपरोक्त सत्र मे २५ सँ ३० गोट प्रश्न एलईडी पर डिस्प्ले कयल जायत। हरेक प्रश्नक सही उत्तर लेल प्वाइन्ट देल जायत। जे सर्वाधिक प्वाइन्ट हासिल करता तिनका विजेता घोषित करैत एकटा कलर टेलिविजन उपहार देल जेतन्हि। एहि तरहक आयोजन सँ नव पीढी आ मैथिली-मिथिला सँ काफी कटि गेल लोक केँ सेहो पुनः समुचित लगाव आ मातृभाषा-मातृभूमि प्रति जिम्मेदारी बोध करेबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। श्री झा कहलनि जे पहिनहि सँ प्रश्न भेटल रहतनि त लोक सब अपन-अपन परिवार सहित तैयारी कय केँ औता आ एहि बहन्ने मिथिलाक साहित्य, कला, संस्कृति, विधा, संगीत, फिल्म, विभूतिक बारेमे किछु जानकारी सेहो पेता।

प्रस्तुत तस्वीर मे अहमदाबाद मे सक्रिय मैथिली भाषाभाषी लोकनिक एकजुटताक दृश्य ओहिना परिलक्षित अछि जाहि लेल ई लोकनि प्रसिद्ध छथि, विलक्षण कार्ययोजना, सुन्दर आ समर्पित-अनुशासित कार्यकर्ता, समृद्ध कोष, मजबूत केन्द्र आ बेहतरीन क्रियान्वयन। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हम स्वयं गवाही रही, जानकीक आशीर्वाद रहत त एहि वर्ष सेहो जरूर उपलब्ध होयबाक प्रयास करब। शुभकामना बारम्बार!!
हरिः हरः!!