मैथिली जिन्दाबाद पर मिथिला डायरेक्ट्री २०१५ उपलब्ध: प्रिन्ट कापी शीघ्र उपलब्ध होयत

maithilijindabaadविभिन्न कारणवश ‘मैथिली जिन्दाबाद’ वेब पोर्टल पिछला १५ दिन सँ लगभग नगण्य सक्रिय रहि सकल, कारण एहि वेब पोर्टल केर संचालन सिस्टम द्वारा सहजता सँ संभव अछि। मुदा आब ई पुन: अपन पूर्ण स्वरूप मे आ आरो विशेष सुविधाक संग अपने सब समक्ष प्रस्तुत होयत।

संगहि, पिछला ११ अप्रैल २०१५ केँ पूर्व योजना अनुरूप मिथिला डायरेक्ट्री २०१५ प्रिन्ट फार्म मे पूर्ण प्रकाशन प्रति नहि उपलब्ध कराओल जा सकल छल। तैँ आब प्रिन्ट कापी सेहो शीघ्र अपने सब लग प्रस्तुत कैल जायत। कृपया देल गेल लिंक पर आरो छूटल नाम आदि जोड़बाबय मे मदैद करी। किछु हिज्जैक त्रुटि नेपाली भाषासेवी द्वारा मैथिली मे अभ्यस्त नहि होयबाक कारण फेरो रहि गेल अछि। एकरा हमहुँ फुर्सत सँ सुधार करबाक प्रयत्न करब, लेकिन अपने लोकनि सँ आग्रह जे अपन-अपन शहरक पेज खोलि कम सँ कम छूटल जानकारी आ अशुद्धिक सुझाव जरुर पठाबी।

धन्यवाद,

संपादक, मैथिली जिन्दाबाद!