दीपक कुमार खाँ ‘मैथिल’, मुम्बई। ३० अगस्त २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
दहिसर – मुंबई मे मैथिल समाज द्वारा धूमधाम स मनाओल गेल श्री कृष्ण जन्माष्टमी महोत्सव!!
मुंबई केर उपनगर दहिसर में रहि रहल मैथिल समाज द्वारा श्री कृष्ण जन्मोत्सव बहुत धूमधाम स मनाओल गेल। एहि परम्पराक शुरुआत सन् 1993 में श्री अर्जुन झा एवं अन्य सहयोगी द्वारा कयल गेल छल। 1993 सँ ई कार्यक्रम लगातार दहिसर में भजन कीर्तन केर संग शुरू भेल और धीरे-धीरे आगू वृहत् स्तर पर मनेबाक दिशा में बढ़ैत गेल। श्रीराम कलित झा (बाबा जी), श्री गौरी शंकर ठाकुर एवं समाजक अन्य गणमान्य सज्जन लोकनिक अगुवाई में ई संस्था आगू बढ़ैत रहल और हरेक साल पहिले सँ किछु न किछु वृहत् करैत श्री कृष्ण जन्म महोत्सव केर आयोजन करैत रहल।
एहि वर्ष 23 एवं 24 अगस्त २०१९ केँ दुइ-दिवसीय श्री कृष्ण जन्मोत्सव एवं महा भंडारा काेर आयोजन मैथिल नवयुवक भजन मित्र मंडल के तत्वावधान मे अध्यक्ष श्री प्रवीण झा केर अगुवाई मे कयल गेल छल। दहिसर पुर्व के श्री जय देवनारायण मंदिर ग्राउंड में आयोजित एहि महोत्सव में लगभग 2500 सँ अधिक भक्त लोकनि भंडारा महा प्रसाद ग्रहण कयलनि, 2 दिन तक एतय भक्त केर अपार भीड़ लागल रहल।
संस्थाक अध्यक्ष झा अपन संबोधन मे जनओलनि जे हमर मुख्य उद्देश्य पूजा के साथ साथ समस्त मैथिलीभाषी लोक केँ एकजूट रखबाक अछि, सभक दुःख आ सुख मे शरीक हेबाक अछि आर परदेश मे जाहि सब बातक जोखिम संभावित छैक ताहि सँ सब कियो मिलिकय सुरक्षा सेहो करबाक अछि। अध्यक्ष झा ईहो कहलनि जे आबयबला समय में हम सामाजिक, स्वास्थ्य, शैक्षणिक और कइएक विषय पर मैथिल समाजक लेल काज करबाक लेल योजना बना रहल छी। एहि लेल हमरा सब केँ छिटफूट टुकडी़ में चलि रहल सामाजिक संस्था सभकेँ एक मंच पर लाबय पड़त ताहि लेल सेहो हम प्रयास कय रहल छी।
महोत्सवक अवसरपर आयोजित सांस्कृतिक कार्यक्रम में मुख्य प्रस्तुति मैथिली सिनेमाक स्टार एवं बॉलीवुड में काम कय रहल श्री मनोरंजन झा, श्रुति झा, सर्वेश झा, सुरेशानंद, आयुष आनंद, श्याम झा, नुनू बाबू, नीलेश झा, श्याम राय बल्लीक आकर्षक उपस्थिति रहल। एहि कार्यक्रमक उद्घोषक रौशन मिश्रा छलाह जे अपन वाकपटुता सँ दर्शक सभक खूब मनोरंजन त करबे केलनि, संगहि अपन भाषाक मिठास आ सुन्दरता सँ सेहो जोड़बाक प्रयास कयलनि। भजन गायक – श्याम झा, अपन पिता सँ परम्परा मे ग्रहण कएने विषय कीर्तनक गायक रामबाबू झा पुत्र निलेश संगे भजन गाबि तीन पीढीक पारम्परिक संगीत सुनबाक अवसर श्रोता लोकनि केँ देलखिन। भजन सत्रक मंच संचालन पंकज झा एवं दीपक कुमार खाँ “मैथिल” कयलनि।
मुख्य अतिथि के रूप में क्षेत्रीय विधायिका मनीषा चौधरी, क्षेत्रीय नगरसेवक वार्ड नंबर दुइ केर श्री जगदीश ओझा, पोयसर केर नगरसेवक शिव कुमार झा, कमल झा (नालासोपारा), अशोक सिन्हा, सस्ता जिनगी महग सेनूर केर चर्चित अभिनेता गजराज राजिव सिंह, नवभारत टाइम्स केर चीफ एडिटर मनीष झा सहित अन्य गणमान्य लोकनि उपस्थित छलाह। कार्यक्रम में मुख्य कार्यकर्ता नवीन झा, विजय चौधरी पंकज झा, मनोज चौधरी, कृष्णा कांत झा, विजय कुमार झा, राजेश राजीव झा, दिलखुस चौधरी, वरुण झा एवं अन्य कतेको लोकनिक जी-तोड़ मेहनत सँ अपूर्व सफलता भेटल।