Search

जनकपुर मे मैथिली साहित्य सभाक वार्षिकोत्सव, लेखिका विजेता चौधरीक पोथीक भेल विमोचन

जनकपुर, २४ अगस्त २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली साहित्यकार सभाक सभापाल प्रेम विदेह केर सभापतित्व काल्हि सँ आठम वार्षिकोत्सव जनकपुर मे आरम्भ भेल अछि। स्वयं सभापाल द्वारा देल गेल जानकारीक अनुसार मैथिली साहित्यकार सभाक आठम वार्षिकोत्सव दू दिवसीय समारोहअन्तर्गत पहिल दिनक कार्यक्रम २०७६/५/६ गते शुक्रदिन सम्पन्न भेल अछि। प्रदेश नं.२ केर प्रदेश प्रमुख सम्माननीय रत्नेश्वर लाल कायस्थक प्रमुख आतिथ्यमे भेल कार्यक्रममे पाँच गोट स्रष्टा सम्मानित भेल छथि। वरिष्ठ साहित्यकार रामभरोस कापड़ि भ्रमर – ज्योतिरिश्वर साहित्य सम्मान, साहित्यकार/पत्रकार सुजीत कुमार झा – दिनाभद्री भाषा अभियानी सम्मान, सशक्त कवि मनोज प्रेमेश – मंचीय शिखर कवि सम्मान, लेखक-कलाकार रामाशीष मंडल – मैथिली साहित्यकार सभा सम्मान, युवा कवि उगना शंकर – पाथेय युवा साहित्य सम्मान।

एहि अवसर पर युवा कवयित्री विजेता चौधरीक कविता संग्रह ‘ धाराक विरुद्ध ‘ केर लोकार्पण सेहो भेल। साहित्यकार/प्रकाशक अजित आजाद आ साहित्यकार/समालोचक रोशन जनकपुरी पोथीक समीक्षा कयलनि।

एहि अवसर पर गीतनाद सेहो भेल। वक्तालोकनि मैथिली भाषा, साहित्य, संस्कृति आ संस्थाक विकासक लेल अपन अपन अमूल्य विचार देलनि। वक्तामध्य सांसदद्वय परमेश्वर साह, रामाशीष यादव, वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवतीरमण लाल, रामभरोस कापड़ि, राजेश्वर नेपाली, समाजसेवी प्रकाशचन्द्र साह, प्रा. परमेश्वर कापड़ि छलाह।

आर उपस्थिति मे विद्यापति पुरस्कार कोषक अध्यक्ष रामसागर पंडित, गायक/गीतकार सुनिल मल्लिक, संस्थाक लेखा परीक्षक अनिल कुमार कर्ण, कवि विजयदत्त मणिसहित बहुतो कवि, साहित्यकार, कलाकार तथा पत्रकार लोकनि छलाह। सहयोगी कार्यकारिणीक दिश सँ साहित्यकार राजेन्द्र ललन, राजाराम सिंह राठौर, रमेश यादव मैथिल छलाह। स्वागत भाषण – कार्यपाल अरविंद कुमार यादव केर छल, उद्घोषण – सहसभापाल पुनम झा मैथिली कएने रहथि।

Related Articles