अटल मिथिला सम्मान समारोह दिल्ली मे १७ अगस्त केँ होयत: उपराष्ट्रपति सेहो संभावित अतिथि

३१ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली भाषा केँ संवैधानिक मान्यता दियौनिहार प्रखर भारतीय नेता, पूर्व प्रधानमंत्री एवं भारत रत्न अटल विहारी बाजपेयी जी केर नाम पर एहि भाषा केँ आगाँ बढेनिहार विभिन्न व्यक्तित्वक संग आनहु भाषा-संस्कृति केर ओहेन महत्वपूर्ण व्यक्ति जे मैथिली-मिथिला प्रति सद्भावना रखैत छथि तिनका सभ केँ ‘अटल मिथिला सम्मान’ देल जेबाक लेल हरेक वर्ष ‘अटल मिथिला सम्मान समारोह’ केर आयोजन कयल जाइत अछि। हिन्द पोस्ट मीडिया द्वारा आयोजित एहि कार्यक्रम मे राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय स्तरक अनेकों व्यक्ति अपन सहभागिता दैत छथि। एकर संयोजन हिन्द पोस्ट मीडिया केर संचालक-संस्थापक प्रखर मैथिल युवा प्रदीप कुमार झा द्वारा कयल जाइत अछि। प्रदीप कुमार झा स्वयं हिन्दी मीडिया क्षेत्र मे तथा राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय फलक पर विभिन्न सेवामूलक एवं संचार क्षेत्रक उद्यम आदिक संचालन करितो निज मातृभाषा ओ मातृसंस्कृति ‘मैथिली’ लेल ऐतिहासिक सम्मान दैत भारतीय संविधानक आठम अनुसूची मे स्थान दियौनिहार नेता अटल बिहारी वाजपेयी केर नाम पर ई सम्मान प्रदान करबाक कार्य विगत किछु वर्ष सँ निरन्तर करैत आबि रहला अछि। हिनकर विशेष जोर मैथिली भाषाभाषीक सामर्थ्य केँ किछु अलग ढंग सँ विश्व समुदायक सोझाँ स्थापित करबाक दिशा मे रहैत रहलनि अछि। अतः अटल मिथिला सम्मान समारोह केर आयोजन खास तौर पर कोनो ५-सितारा होटल केर सभागार मे मात्र कयल जेबाक एक अलग परम्परा त स्थापित करबे केलनि, संगहि हरेक आयोजन मे स्टारडम प्राप्त विश्वप्रसिद्ध व्यक्तित्व सभ केँ विशेष रूप सँ सहभागी बनेबाक चुनौतीपूर्ण कार्य सेहो करैत आबि रहला अछि। विदित हो जे मैथिलीक उच्चकद केर गायक उदित नारायण होइथ अथवा राज्यसभा सदस्य एवं भाजपाक वरिष्ठ नेता प्रभात झा, एहि कार्यक्रमक शोभा हिनकहि सब जेहेन उच्चकदक व्यक्तित्व सभ रहि एला अछि आर दिल्ली मे रहि रहल सैकड़ों अभियानी एवं समाजसेवी लोकनि केँ विशेष रूप सँ सहभागी बनबैत अपन मैथिली भाषाभाषी मे एक विलक्षण आत्मबल-आत्मगौरव-आत्मसम्मान बढेबाक कार्य सेहो कयल जाइत रहल अछि।

एहि वर्ष २०१९ केर ई सम्मान समारोह दिल्लीक ५-सितारा होटल ली मेरिडियन मे १७ अगस्त केँ कयल जायत। एहि आयोजन केँ सफल बनेबाक लेल स्वयं प्रदीप कुमार झा अपन सहयोगी व्यक्तित्व सभक संग जोर-शोर सँ तैयारी मे लागल देखाइत छथि। हुनका द्वारा देल जा रहल जानकारी (सोशल मीडिया पर पोस्ट आदि) अनुसार एहि वर्ष भारतक महामहिम उपराष्ट्रपति वेंकैय्या नायडू, दिल्ली भाजपाक अध्यक्ष सह संसद एवं प्रसिद्ध गायक-कलाकार मनोज वाजपेयी, प्रसिद्ध सूफी गायन विधाक गायक सह संसद हंसराज हंस सहित अन्य संभावित अतिथि लोकनिक सहभागिता तय अछि। एहि कार्यक्रमक सम्बन्ध मे मिथिलाक चर्चित उद्घोषक किसलय कृष्ण सेहो उत्साहपूर्वक मन्तव्य दैत अपन फेसबुक स्टेटस लिखने छथि। अन्य कार्यक्रम व स्थापित लीक सँ हँटिकय हिन्द पोस्ट मीडिया द्वारा आयोजित अटल मिथिला सम्मान समारोहक आलोचना सेहो अपन-अपन ढंग सँ कयल जाइत रहल अछि, लेकिन ताहि सब सँ इतर केवल अपन भागक योगदान दैत मातृभाषा आ मातृभूमि लेल सेवादान – स्वयंसेवाक अलग उदाहरण बनि रहल अछि आर मैथिली जिन्दाबाद भऽ रहल अछि, ताहि मे कतहु दुइ मत नहि।