Search

विराटनगर मे सम्पन्न भेल मैथिल स्रष्टा सम्मान समारोह

मुख्य अतिथि महानगरपालिका मेयर भीम पराजुलीक हाथे १० सर्जक केँ सम्मान पत्र हस्तान्तरण

सखी-बहिनपा विराटनगर समूह द्वारा सहकार्य आ दलित एवं पिछड़ा वर्गक धियापुता केँ बाँटल गेल कापी-कलम
राष्ट्रीय सभा सदस्य खेम नेपाली एवं प्राज्ञ रमेश रंजन झा विशिष्ट अतिथिक रूप मे सहभागिता जनौलनि
मिथिला समाजक गणमान्य व्यक्तित्व केर उपस्थिति मे सम्मान समारोहक भेल आयोजन

विराटनगर, ३१ मार्च २०१९ । मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली जिन्दाबाद केर परिकल्पना एवं दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आयोजित ‘मैथिल स्रष्टा सम्मान समारोह २०७५’ विराटनगर केर बखरी मे जनसामान्य वर्गक दर्शक-श्रोता बीच भव्यताक संग सम्पन्न भेल।
 
दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक अध्यक्ष करुणा झा केर अध्यक्षता तथा अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरीक उद्घोषण मे संचालित मंच सँ कुल १० सर्जक केर सम्मान मैथिली भाषा केर संरक्षण, संवर्धन एवं प्रवर्धन मे देल गेल महत्वपूर्ण योगदान लेल कयल गेल। तहिना स्वागताध्यक्ष केर रूप मे मैथिली विकास अभियान केर अध्यक्ष पंकज वर्मा छलाह जे समस्त अतिथिक संग सम्मानित स्रष्टा लोकनि केँ स्वागत-अभिनन्दन कयलनि। कार्यक्रमक उद्देश्य पर प्रकाश दैत प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि जे मातृभाषा मैथिली केर विभिन्न विधा मे महत्वपूर्ण योगदान देनिहार सर्जक लोकनिक सम्मान जनसामान्य लोकक बीच मे आयोजित करबाक दुइ महत्वपूर्ण उद्देश्य अछि, सर्वप्रथम अपन भाषा सँ प्रेम जगेबाक आ प्रेरणाक संचरण आम जनमानस मे करबाक तथा दोसर दहेज मुक्त मिथिलाक नारा जे मांगरूपी दहेजक प्रतिकार लेल सब स्वसंकल्पित होइत अपन समाज केँ स्वच्छ बनेबाक संकल्प लेथि। दहेजक चाप मे कोनो कन्याक माता-पिता-परिजन केँ कष्ट दय ओहि कन्या सँ विवाह कयनिहार कहियो सुन्दर, स्वच्छ आ स्वस्थ सन्तान प्राप्त नहि कय सकैत छथि। जे मिथिला मे ६ दर्शन मध्य ४ दर्शन पर शोध, खोज आ लेखन आदि प्रारम्भ भेल ताहि ठाम आजुक दहेज प्रथाक चाप मे पड़ल माताक कोखि सँ आबि रहल कमजोर आ प्रभावहीन सन्तान सँ कोनो तरहक उपलब्धि मिथिला केँ नहि भेटि रहल अछि, एतेक तक जे अपन लोक अपनहि भाषा सँ विमुख भेल दोसर भाषा-संस्कृति केर मुंह ताकय लेल बाध्य भेल अछि। अतः दहेज सँ मुक्ति पेबाक स्वयं संकल्प लैत हृष्ट-पुष्ट आ सुन्दर विवेकशील सन्तान केँ धरती पर आनू आर अपन भाषा तथा पहिचान केँ सुरक्षित रखनिहार सपूत ओ सहयोगी सभ केँ एहिना समारोहपूर्वक सम्मान दियौक, ई आयोजन ताहि लेल राखल गेल अछि।
 
विद्वान् वक्ता रमेश रंजन झा द्वारा मिथिलाक असल लोक बीच एहि तरहक भाषा-संस्कृति सँ जुड़ल आयोजनक मुक्तकंठ सँ प्रशंसा करैत आम जनमानस मे भाषाक महत्व, शिक्षाक महत्व आर संस्कृति प्रति जनजागरण सँ आबि रहल क्रान्तिकारी परिवर्तन पर प्रकाश देल गेल छल। तहिना राष्ट्रीय सभा सदस्य खेम नेपाली द्वारा मैथिली भाषाक प्राचीनता तथा जनसामान्य केर भाषा हेबाक बात कहैत एहि पर किछु लोक द्वारा जानि-बुझिकय उच्चवर्गक भाषा होयबाक आरोप लगेनाय निराधार आ कुतर्कपूर्ण होयबाक तथ्य राखल गेल। संगहि ओ मैथिली भाषाभाषी केँ अपन ऐतिहासिकता, विद्वता आ संस्कार आदि सँ जुड़ल कार्यक्रम वृहत् स्तर पर अन्य भाषाभाषी जिनकर रुचि मैथिली-मिथिला मे छन्हि तिनका संग मिलिकय करबाक आह्वान सेहो कयल गेल छल। एहि अवसर पर विराटनगरक आरोहण गुरुकुल केर अध्यक्ष भैरव क्षेत्री द्वारा मैथिलीभाषी जनसमुदाय सँ रंगकर्म सहित अन्य कला-संस्कृतिक क्षेत्र मे ऊपर उठबाक प्रयत्न केर प्रशंसा करैत आरोहण गुरुकुल संग सहकार्य लेल प्रोत्साहन देल गेल।
 
प्रमुख अतिथि विराटनगर महानगरपालिकाक मेयर भीम पराजुलीक हाथ सँ दसो सम्मानित स्रष्टा केँ सम्मान पत्र, सम्मानित स्रष्टा लेल विशेष स्नेहक प्रतीक (मोमेन्टो), पाग, दोपटा एवं फूल-माला ओ अबीर लगाकय सम्मान कयल गेलनि। एहि अवसर पर मिथिला समाजक विभिन्न गणमान्य लोकनिक विशिष्ट उपस्थितिक संग काठमांडू सँ आयल राष्ट्रीय सभा सदस्य खेम नेपाली तथा नाट्य एवं संगीत प्रज्ञा प्रतिष्ठानक पूर्व प्रमुख प्राज्ञ रमेश रंजन झा केर उपस्थिति सेहो रहलन्हि। मैथिल उद्योगपति कुमोद झा, मैथिल सामाजिक-राजनीतिक अभियन्ता तेजलाल कर्ण, मैथिल शिक्षाविद् भगवान झा एवं राजेश कुमार दास, मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. शंभुनाथ झा, विराटनगर वार्ड संख्या १२ केर वडाध्यक्ष हीरा कामत, भोगी कामत केर उपस्थिति मे समस्त स्रष्टा लोकनि केँ सम्मान देल गेल छल।
 
सम्मानित स्रष्टा मे मैथिलीक प्रसिद्ध गीतकार सरोज मंडल केर संग-संग नेपाली गीतकार वीरेन्द्र कुमार शाह, वरिष्ठ गायक वीरेन्द्र झा, नवोदित गायक रोहित लाल यादव, मिस पूर्वेली आँचल मल्लिक, सामाजिक-राजनीतिक अभियन्ता अमलेश कर्ण, संपादक-प्रकाशक शंकर खरेल, अभिनेता, फिल्म निर्माता-निर्देशक प्रतीक श्रेष्ठ, अभिनेता जयराम यादव यदुवंशी एवं फिल्म निर्देशक संतोष सरकार केँ सम्मान पत्र प्रदान कयल गेलनि। हिनका लोकनिक सम्मान मे आयोजित ‘मैथिल स्रष्टा सम्मान समारोह’ केर बीच-बीच मे गायक वीरेन्द्र झा एवं उत्तम झा द्वारा गीत गायन, आँचल मल्लिक एवं सृष्टि कर्ण द्वारा नृत्य तथा वीरेन्द्र कुमार शाह द्वारा सांस्कृतिक मंच संचालन करैत उपस्थित दर्शक-श्रोताक भरपूर मनोरंजन कयल गेल छल।
 
विदित हो जे कार्यक्रमक आरम्भहि मे सखी-बहिनपा विराटनगर केर समूह केर परिचय सँ समारोहक आरम्भ भेल छल। एहि सत्र मे समूहक संयोजिका वन्दना चौधरी द्वारा सखी-बहिनपा समूह केर स्थापना, उद्देश्य आ महत्व पर विस्तार सँ जनसभा केँ जनतब देल गेल। संगहि सखी-बहिनपाक अन्य-अन्य महिला नेत्री जाहि मे पूनम सिंह, सरिता शाह, आभा अनुपमा, करुणा झा, वसुन्धरा झा, सुधा दास, प्रीति झा जे उपस्थित छलीह ओ लोकनि महिला अधिकार, महिला केँ आगू बढिकय पुरूष समाज संग कन्हा मे कन्हा जोड़िकय अपन मिथिला भाषा ओ समाज संग संस्कृति केँ आगू बढेबाक भावना रखलीह। संगहि सखी-बहिनपा समूह द्वारा उपस्थित सैकड़ों दलित ओ पिछड़ा वर्गक बच्चा सब केँ कौपी आ कलम वितरण कयल गेल छल।
 
स्वागताध्यक्ष पंकज वर्मा द्वारा मैथिली भाषा केँ दोसर कामकाजी भाषा बनेबाक लेल स्थानीय सरकार प्रमुख भीम पराजुली सँ अनुरोध कयल गेल छल। तहिना सामाजिक-राजनीतिककर्मी तेजलाल कर्ण द्वारा मैथिलीक पढाई लेल आग्रह कयल गेल। शिक्षाविद् भगवान झा द्वारा दहेज मुक्त मिथिला केर आह्वान केँ समर्थन करैत एहि तरहक कार्यक्रमक प्रभाव आमजन पर पड़बाक उल्लेख भेल। तहिना शिक्षाविद् राजेश कुमार दास सेहो आयोजनक महत्व परिणामप्रदायक होयबाक भावना रखैत सम्मानित सर्जक लोकनि केँ बधाई ज्ञापन कयल गेल। मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. एस. एन. झा मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृति लेल दहेज मुक्त मिथिलाक अनवरत प्रयासक सराहना करैत यथासंभव सहयोग लेल वचन देल गेल।
 
प्रमुख अतिथि मेयर भीम पराजुली एहि तरहक आयोजनक सराहना कयलनि, संगहि ओ कहलनि जे महानगरपालिकाक तरफ सँ सेहो जे जनमुखी अभियान ‘बेटी बचाउ, बेटी पढाउ’ योजना चलि रहल अछि से दहेज कूप्रथा सँ मुक्ति पेबाक अभियान थिक। कोनो माय जखन दोसर बेटीक जन्म दैत छथि तऽ हुनका बहुत कष्ट आ प्रताड़णा झेलय पड़ैत छन्हि ताहि हेतु महानगरपालिका द्वारा दोसर बेटीक जन्म भेलापर २५ हजार टका प्रोत्साहन राशि देल जाइछ जे बेटी बालिग भेला पर हुनका प्राप्त हेतनि। दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आयोजित एहि तरहक जनसामान्यक सहभागिता मे भाषा-संस्कृतिक सर्जक सभक सम्मान निश्चित एकटा मीलक पाथर सिद्ध होयत। एहि सँ नेपालक धरोहर मानल जायवला मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृतिक विकास नव आयाम पाओत। महानगरपालिकाक तरफ सँ यथासंभव सहयोगक वचन सेहो ओ देलनि।
 
सम्मानित स्रष्टा लोकनि सेहो अपन संछिप्त मन्तव्य रखैत सम्मान लेल आभार प्रकट करैत अपन जिम्मेवारी बढबाक बात कहलनि। अमलेश कर्ण अपन जीवन मे शारीरिक स्वास्थ्य आ सुन्दरताक प्रतियोगिता मे मिथिला समाजक धारणा बड बेसी सकारात्मक नहियो रहैत एहि दिशा मे स्वयं द्वारा कयल गेल किछु महत्वपूर्ण काज आब समाज मे मान्यता पाबि रहल अछि से जनतब साझा केलनि। संगहि एहि तरहक आयोजन संभवतः नेपाल मे पहिल बेर भेल जे भाषा, समाज, फिल्म आदि विभिन्न क्षेत्र मे महत्वपूर्ण योगदान देनिहार दस गोट स्रष्टा केँ समारोहपूर्वक सम्मान देल गेल अछि। एहि लेल ओ परिकल्पनाकार प्रवीण नारायण चौधरी सहित आयोजक दहेज मुक्त मिथिला आ मैथिली जिन्दाबाद केर सराहना करैत धन्यवाद ज्ञापन कयलनि। समस्त सम्मानित सर्जक सम्मान सँ काफी उत्साहित होयबाक संग भविष्य मे आरो बेसी काज करबाक प्रतिबद्धता सेहो प्रकट कयलनि।
 
हरिः हरः!!

Related Articles