Search

मैथिल अड्डा – कनेक्ट टु मिथिला कार्यकर्ता स्वयंसेवीक रूप मे सेवा देता महापर्व बंगलुरु मे

बंगलुरु, ९ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

बंगलुरु केर विद्यापति स्मृति महापर्व समारोह – १२ दिसम्बर पैलेस ग्राउन्ड मे उपस्थिति लेल आह्वान

मैथिल अड्डा – कनेक्ट टु मिथिला बंगलुरु सहित देशक अन्य स्थान सँ आगन्तुक स्वयंसेवक केँ १२ दिसम्बर केँ आयोजित होमयवला विद्यापति स्मृति महापर्व समारोह स्थल पैलेस ग्राउन्ड मे उपस्थिति आ स्वयंसेवा दय एहि महान् उत्सव केँ सफलतापूर्वक संपन्न करय लेल आह्वान करैत अछि।

मैथिल अड्डा सँ जुड़ल कोर कमिटी सदस्य आ नेटवर्क मे जोड़ल गेल अन्य महानुभाव सब सँ हार्दिक निवेदन कयल जा रहल अछि जे उपरोक्त समारोह मे ३० हजार मैथिल केर जुटान बड पैघ यज्ञ समान होयत। एतेक लोक वास्ते भोजनक इन्तजाम सँ लैत समारोह केर आनन्द लेबाक हरेक इन्तजाम कयल गेल अछि। एहि अवसर पर शान्ति, सुरक्षा आ सेवा लेल विशेष कार्यदल केर रूप मे अपने लोकनि उपस्थित रही।

अहाँ लोकनिक तन-मन-धन सँ सहयोग एक नव इतिहास बनाओत। हाल धरि ५० केर करीबक कार्यकर्ता बंगलुरु मे तत्परता सँ भाग लेबाक सहमति देलनि अछि। ओ लोकनि सुनिश्चित आर्थिक योगदान सेहो करबाक वचनबद्धता प्रकट कयलनि अछि।

बकौल बंगलुरु संयोजक राकेश कुमार झा, मैथिल अड्डाक प्रिन्ट एवम् इलेक्ट्रानिक टीम समारोह मे स्थानीय मीडिया प्रतिनिधिक संग भाग लेता, संगहि डिजीटल टीम द्वारा सेहो उचित फोटोग्राफी-वीडियोग्राफी पर नजरि बनायल जायत।

Related Articles