Search

कीतिका झा केँ सर्वोत्कृष्ट कुच्चिपुडि नृत्य प्रदर्शन लेल भेटलनि कला-निष्ठा सम्मान भुवनेश्वर मे

भुवनेश्वर, ८ जनवरी २०१८। मैथिली जिन्दाबाद!!

गुरु केलु चरण महापात्रा – ओडिशी रिसर्च सेन्टर, भुवनेश्वर मे आयोजित कला प्रदर्शनक एक विश्वस्तरीय उत्सव कलिंगावान महोत्सव २०१९ मे कीतिका झा केँ हुनक नृत्य-प्रदर्शनी लेल कला निष्ठा सम्मान सँ सम्मानित कयल गेलनि अछि। ई आयोजन जेकर आयोजन तौर्यत्रिकम एवं अखिल भारतीय नर्तक संघ द्वारा आयोजित छल। 
 
विभिन्न राज्य सँ सहभागी कलाकार लोकनिक मध्य आइआइटी खड़गपुर केर केन्द्रिय विद्यालयक छात्रा कीतिका झा द्वारा कुच्चीपुडी नृत्य जानकी कांतम पर प्रस्तुत कयल गेल छल। हिनक प्रस्तुति दर्शक केँ काफी आकर्षक लगलनि तथा सब कियो हिनकर प्रस्तुति केँ खूब प्रशंसा सेहो कयलनि। कार्यक्रम मे सहभागी विशिष्ट अतिथि लोकनि सेहो कीतिकाक प्रस्तुति केँ उत्कृष्ट कहि प्रशंसा कएने छलाह।
विदित हो जे मात्र ५ वर्षक छोट उमेर सँ कीतिका नृत्य कला केर प्रदर्शन करब आरम्भ कयलीह, मात्र ६ वर्षक अवस्था मे ओ अपन पहिल कला प्रदर्शन कटक ओलंपियाड मे कएने छलीह जतय हुनका प्रथम स्थान भेटलनि। तदोपरान्त ओ अनेकों राष्ट्रीय स्तरक अवार्ड सेहो जीति चुकल छथि।

Related Articles