नहि रहलाह डीए साहेब – मिथिला पब्लिक स्कूल फारबिसगंज केर डायरेक्टर

जोगबनी, ५ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! 

शिक्षाविद समाजसेवी केर असामयिक निधन, शोक सम्वेदना लेल जोगबनी मे जुटल मैथिल समाज

फारबिसगंज केर भदेश्वर निवासी समाजसेवी व मिथिला पब्लिक स्कूल केर डायरेक्टर विकास मिश्रा उर्फ डीए साहेब (६० वर्ष) केर अल्पजीवन मे इहलोक छोड़ि परलोक गमन कय गेलाह। हुनक मृत्युक समाचार सुनि जोगबनी-विराटनगर केर मैथिल समाज शोकमग्न बनि गेल अछि। आइ जोगबनी तथा विराटनगर केर विभिन्न संगठन तथा बुद्धिजीवि द्वारा शोक सम्वेदना प्रकट कयल गेल अछि। मिथिला विकास परिषद, मैथिली सेवा समिति, कायस्थ समाज मोरंग, मैथिली विकास अभियान विराटनगर द्वारा श्री मिश्राक मृत्यु केँ समाज आ शिक्षा संसार लेल अपूरणीय क्षति कहल गेल। शोक सम्वेदना जतौनिहार मे अमरनाथ झा, लक्ष्मीकांत झा, मिथिलेश ठाकुर, प्रकाश चंद्र विश्वास, मैथिल अभियानी प्रवीण नारायण चौधरी, बसुंधरा झा, माला मिश्रा, वन्दना चौधरी, राजेश झा, बिभा दास, मैथिल सेवा समिति विराटनगर केर अध्यक्ष डॉ एस एन झा, डॉ सुरेंद्र नारायण मिश्र, मनोज मिश्रा, प्रकाश नारायण झा, बिपुलेंद्र झा, अजित झा, ललन झा, राधा मंडल, राजू कामत, विनोद मिश्र, सूरज मिश्रा, अमलेश कर्ण, पंकज वर्मा, शिवाजी झा, रमाकांत झा, फूलकुमार देव, बिनीता ठाकुर, बिबेकानंद ठाकुर, सुरज मिश्र, मनीष झा, बिबेकानंद साह, प्रयागनाथ झा  सहित अन्य लोकनि शामिल छलाह।