Search

हार्दिक श्रद्धाञ्जलि सुमन अर्पित दानशील वैज्ञानिक पुरुषोत्तम झा केँ

ओह, ई बहुत दुखद समाचार भेटल एखन! 

एक दानशील आ अमेरिका सँ पर्यन्त अपन गाम ‘मिथिला’ लेल सदिखन चिन्तन कयनिहार वैज्ञानिक पुरुषोत्तम झा नहि रहलाह! 

एखनहि Satee Raman Jha सर द्वारा देल गेल स्टेटस अपडेट्स मे ई पढलहुँ जे हुनकहि ग्रामीण, भातीज, बहुत रास प्रतिभा केर स्वामी, एक व्यक्ति मे अनेकों व्यक्ति ‘पुरुषोत्तम झा’ आब एहि संसार मे नहि छथि।

तुरन्त मोन पड़ि गेल २०११ मे ‘दहेज मुक्त मिथिलाक स्थापना’ पर हुनका द्वारा संदीप झा, मुम्बई मार्फत पठायल गेल ओ महत्वपूर्ण सहयोग…. USD100.00 – जे रकम रहिका स्थित बैंक खाता धरि पहुँचय मे किछु विवाद भेल छल। ताहि पर अत्यन्त शालीनताक संग पुरुषोत्तम बाबू मैसेज सेहो केलनि, काफी रास बात भेल छल।

एक ‘गुरुकुल’ स्थापनाक बात सेहो ताहि वर्ष भेल छल। किछु मित्र दहेज मुक्त मिथिलाक समानान्तर समाज कल्याणक एकटा आरो काज ‘गुरुकुल’ खोलबाक निर्णय कएने रहथि। पुरुषोत्तम बाबू ताहि लेल अपन गामक जमीन पर्यन्त दान मे देबाक बात सार्वजनिक कएने छलाह।

ई बात हुनका सँ नहि भऽ सकल जे ओ ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर डेग केँ हृदय सँ ओतेक बेसी समर्थन कोना दय सकल रहथि, लेकिन फोन पर आ मैसेज कय केँ ओ काफी विश्वास दियबैत कहने रहथि जे ई बड पैघ काज थिक।

एखनहि श्रीमती Vibha Singh जनतब देली जे Massive Heart Attack केर कारण ओ एहि इहलोक सँ परलोक गमन कय गेलाह। हुनक मृत्यु यैह १२ दिसम्बर न्युयोर्क (अमेरिका) मे भेलनि। बेसी विस्तृत जानकारी नहि भेटि सकल अछि। हुनकर फेसबुक प्रोफाइल २०१४ धरि सक्रिय देखाइत अछि। बेटी विशाला संभवत: जेठ बचिया छन्हि, काफी मानैत छलखिन ओकरो आ ओकरा सँ छोट एक आरो बचिया केँ। बेटी काफी प्रतिभावान छथि। पिताक रूप मे बेटी केँ ओकर प्रतियोगिता मे सदैव संग लय जेबाक आ ओकरा प्रोत्साहित करबाक फोटो सब देखि मोन द्रवित भेल। ईश्वर ओहि बचिया केँ पुन: वैह पिताक प्रेम भले नहि दिया सकथि, लेकिन निश्चित ओ सब अपन परमप्रिय पिताक आत्मा केँ प्रसन्न करय योग्य योग्यता राखय से कामना करैत छी।

एहि दुरुह दु:खक घड़ी मे शोकसंतप्त परिवार लेल हार्दिक संवेदना, पुरुषोत्तम बाबूक पुण्यात्माक लेल चिर शान्तिक प्रार्थना सेहो!

हरि: हर:!!

Related Articles