जयसवाल युवा संघ मधुबनी अपन प्रथम वार्षिक सभा आयोजित केलक

जयसवाल युवा संघ एकटा watapps ग्रुप सँ आरंभ भs धारातल पर अपन कदम रखलक। जयसवाल युवा ग्रुप के संस्थापक भैया मनोज चौधरी, भारतीय रेलवे में एकटा टिकट परीक्षक पद पर कार्यरत छैथ। सरकारी नौकरी के व्यस्तता होइतो समाजसेवा के भाव रखैत छैथ, एहन गुण बहूत कम लोग में पायल जायत अछि।
जनवय चाहब जे विगत वर्ष 2018 में मैट्रिक तथा इंटरमीडिएट परीक्षा में अवल आयल जयसवाल वर्ग के छात्र-छात्रा के समानित और पुरस्कृत जयसवाल युवा संघ के बैनर तले आयोजित भेल रहे। जाहि में प्रत्येक गाम सँ अवल आयल प्रथम छात्र व छात्रा के समानित कयल गेल रहै।
मिथिलांचल के महान पाबैन छैठ परमेश्वरीक,प्रातःकालीन अर्घ के उपरांत जयसवाल युवा संघ मधुबनी अपन प्रथम वार्षिक सभाक आयोजन गोबरौरा में सम्पन्न केलक।
कार्यक्रम के अध्यक्षता श्री मनोज चौधरी,(TT) केलखिन। संचालन महेश चौधरी, के द्वारा कायल गेल।
कार्यक्रम के प्राथमिक बात रीजन और विजन रहल। कार्यक्रमक आगाज सदस्य सभक परिचय सँ आरंभ भेल। जाहि में सब सदस्य सब आपस मे धरातल पs एक दोसर के बारे में जानलक।
आयोजित कार्यक्रम में कुल 35 सदस्य उपस्थित भेल। कार्यक्रम के मध्य पूर्वकालीन कार्य के समीक्षा कयल गेल संगे सर्वसम्मति सँ निम्नलिखित प्रस्ताव पारित केल गेल।
1. निर्णय लेल गेल जे अध्यक्ष,सचिव,कोषाध्यक्ष एवं कार्यकारणी कमिटी के गठन ।
2. शिक्षा, स्वास्थ्य, पर्यावरण के क्षेत्र में संघ के कार्य होयबाक चाही।
3. समाज में अश्लीलता के जनक भोजपुरी,
एवं अन्य भाषाक अश्लील गीत पर रोकथाम हेतु कार्य।
4. समाज में पर्यावरण के प्रति लोक के जागृत करबाक कार्य।
5. Watapps और अन्य शोशल मीडिया के जिमेदारी के सदस्य सब बखूबी निभाबी।सर्व सहमति सँ प्रस्तावित प्रस्ताव में स प्रथम प्रस्ताव पर कार्य करैत संघ एकटा कमिटिक गठन केलक जाहि में निम्नलिखित पद पs निम्न सदस्य सकब के मनोनीत केलैन –
अध्यक्ष- मनोज चौधरी (गोबरौरा), उपाध्यक्ष- रौशन चौधरी (बलडीहा),नरेश चौधरी (महथा), सचिव – विनोद चौधरी (बाबूबरही) उपसचिव- महेश चौधरी (कन्हौली),संतोष चौधरी (कोरहिया), कोषाध्यक्ष- राजेश कु0 चौधरी,उपकोषाध्यक्ष- अनिल कु0 चौधरी (जटही), मीडिया प्रभारी – रविन्द्र भारती (कन्हौली), कानून सलाहकार- रविन्द्र नाथ चौधरी (गोबरौरा)कार्यकरणी सदस्य सब में- रामप्रताप चौधरी, कन्हौली, चंदन चौधरी, पथराही,शंकर चौधरी- घंघौर, शत्रुघ्न चौधरी- चतरा,नागेंद्र चौधरी-कमलाबाड़ी,प्रमोद चौधरी, राम दयाल चौधरी,विमल चौधरी, जयप्रकाश चौधरी,रामचंद्र चौधरी,दीपक चौधरी,महेश चौधरी,राजेन्द्र चौधरी एवं उपस्थित सदस्य गण।