Search

रंजना झा केर हत्या हेबाक पुष्टि, पति-ससूर पहुँचल जेल, सासु व अन्य केर खोजी जारी

रंजना दहेज हत्याकाण्ड दरभंगा – अपडेट
 
पति प्रभात झा केर बाद आब ससूर अजय झा सेहो गिरफ्तार
 
सासु अनमोला देवी, ननैद संगीता कुमारी आ नन्दोसि मुरारी आचार्य केर नाम गिरफ्तारी वारंट जारी
 
१८ अगस्त पैछला शनि दिन दरभंगाक ओझौल निवासी पूर्व दरोगा ‘बड़ा बाबू अजय झा’ केर पुत्र प्रभात झा द्वारा एकटा बुलेट गाड़ी दहेज मे नहि भेटलाक कारण चारि मास पूर्वहि कयल रंजना झा संग विवाह उपरान्त रंजना झा केर हत्या कय ओकरा ‘सड़क दुर्घटना’ देखेबाक कुटिल प्रयास आब लगभग असफल भऽ गेल अछि।
 
दरभंगाक पुलिस अधिकारी पुलिस अनुसंधान मे रंजनाक मृत्यु सड़क दुर्घटना मे देखायल जेबाक बात निराधार निकलल कहलनि अछि। फोरेन्सिक जाँच मे दुर्घटना स्थल पर मृतका रंजना झा केर खून आदिक कोनो निशान नहि भेटल अछि, बल्कि दुर्घटनाक योजनाबद्ध नौटंकी करयवला पति-परिजनक चालाकी सँ ओतय पसारल गेल सिन्दुर घोरल रंग केर पता लागल अछि। एतबा नहि, सड़क दुर्घटना उपरान्त हत्यारा पति अपन कोन मित्र केर बोलेरो-स्कोर्पियो गाड़ीक उपयोग केलक, केकरा मार्फत आनन-फानन मे पत्रकार केँ कहिकय दुर्घटनाक समाचार बनबौलक, रंजना झा केर हत्यारा ससूर अजय झा कोना अवकाश प्राप्त केलाक बाद हत्या केँ दुर्घटना सिद्ध करैत अपन बेटा केँ प्राइवेट नर्सिंग होम मे भर्ती करय लेल फेरो पुलिसक वर्दी पहिरिकय धौंस जमौलनि, ई सबटा रचल-गुहल गाथाक पर्दाफाश भऽ चुकल अछि।
 
रंजना झा केर पिता आ भाइ संग बहिन-बहनोई आ परिजन सजगता सँ एक-एक बातक तार जोड़ैत एहि निर्णय पर पहुँचि गेल छलाह जे हालहि कयल कुटमैती वला परिवार हुनकर बेटी-बहिनक हत्या कय देलक आ एकरा सड़क दुर्घटना देखा अपना केँ बचेबाक प्रयास कय रहल अछि। एहि सभ बातक रहस्य खोललक स्वयं रंजना झा केर लिखल ओ चिट्ठी जाहि मे ओ अपन भाइ सँ ई विवाह करेबाक बात बड पैघ गलती करबाक बात कहैत कहने छल। ओ अपन पत्र मे सम्पूर्ण वृत्तान्त जे ओकरा संग सासूर परिवार कोना प्रस्तुत होएत छैक, आर ओ जखन अपन सासु सँ ई गछि लैत अछि जे ओ अपन पिता सँ कहिकय ‘बुलेट मोटरसाइकिल’ सेहो दिया देता, एकर दाम २ लाख टका पड़ैत छैक से रंजनाक कहला पर ओकर पिता अवश्य अपन जमाय केँ दय देथिन आदि कहय तखन जा कय ओकरा संग सासु मानव जेकाँ व्यवहार करथि। नहि तऽ ओकरा प्रताड़ित करबाक कोनो उपक्रम बाकी नहि राखल जाएक। ई सब व्योरेवार चर्चा आ एतेक तक कि रंजना केँ पागल घोषित करबाक कोन-कोन उपाय ओकर ससूर-सासूर करत सेहो, फेर अपन बेटाक दोसर विवाह कोना कराओत सेहो, आदि अपन पत्र मे लिखने छल।
 
एम्हर रंजनाक पत्र आ ओकर मृत शरीरक अवस्था देखिकय परिवार द्वारा सोशल मीडिया सँ न्याय लेल गोहार लगबिते जाहि तरहें सामाजिक संस्था आ आमजन द्वारा न्याय केर लड़ाई मे प्रवेश भेल ताहि सभक सुखद परिणाम सँ पुलिस जाँच सही दिशा मे जेबाक आ आब न्याय केर पूरा भरोसा रहबाक बात मृतका रंजनाक परिजन द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केँ कहल गेल अछि। दहेज मुक्त मिथिला द्वारा दरभंगा मे कैन्डल मार्च केर आयोजन कयल गेल छल। ताहि सँ पहिने राष्ट्रीय महिला आयोग, राज्य महिला आयोग, मुख्यमंत्री तथा राज्य तथा प्रमण्डल संग-संग जिलास्तरीय समस्त उच्चाधिकारी केँ सेहो तुरन्त ध्यानाकर्षण करैत निष्पक्ष जाँच आ दोषी पर कार्रबाई लेल चिट्ठी लिखिकय दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा अनुरोध कयल गेल छल। काल्हि मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन केर स्थानीय कार्यकर्ता तथा अपना तरहें सब बातक छानबीन कयनिहार विकास बीजे केर नेतृत्व राज्य महिला आयोग केर पटना कार्यालय पहुँचिकय घटनाक सिलसिलेवार व्योरा प्रस्तुत कयलक अछि। बीजे विकास आ टीम द्वारा प्राइवेट डिटेक्टिव एजेन्सी जेकाँ घटनाक तार जोड़ैत जगह-जगह सँ वीडियो आ साउन्ड क्लीप केर रूप मे पब्लिक ओपिनियन सेहो संकलन कयल गेल जेकरा चलते अनुसन्धान मे आसानी भेल अछि। संगहि, पीड़ित परिवार केँ सेहो ई उम्मीद जागल अछि जे अपन बेटी-बहिनक आत्मा केँ त हत्यारा परिवार केँ दण्डित कराकय न्याय भेटबे करत, आब आगाँ आरो कियो रंजना जेकाँ जान नहि गमाबय से स्थिति बनत ताहि पर विश्वास जतौलनि अछि। सोशल मीडिया प्रति आभार जतबैत ओ कहलनि जे मानवीय मूल्यक रक्षा मे आइ एकर भूमिका बहुत महत्वपूर्ण बनि गेल अछि।
 
हरिः हरः!!

Related Articles