दहेज उत्पीड़ण केस – मुरैठा (दरभंगा) – सामाजिक मध्यस्थता सँ टूटल परिवार केँ जोड़बाक जरूरत

दहेज उत्पीड़न केस – मुरैठा (दरभंगा)
 
काल्हिक एक आह्वान पर आब हमरा पास लगभग २०० आदमी अपन नंबर पठा चुकल छथि जे एहि दहेज उत्पीड़न केस मे उचित डेग उठेबाक लेल संग देता। दहेज मुक्त मिथिला सदिखन दु बिछड़ल जोड़ी केँ एक करबाक लेल सामाजिक स्तर पर प्रयास करैत छैक। कानून आ समाज मे अन्तर छैक, समाज मे मानवीय संवेदना आ भावना केँ बुझबाक अलग अन्दाज होइत छैक, जखन कि कानून प्रिन्टेड संवैधानिक अवधारणा सँ ऊपर नहि उठि सकैत अछि। हालांकि कानून मे जतेक बात प्रिन्ट छैक सेहो सर्वथा उचित छैक, न्याय ओतहु भेटैत छैक। मुदा समयक कोनो गारन्टी नहि, कतेक समय लगतैक आ ओकालतिक कोन-कोन पेंच लगतैक ताहि कारण दू बिछड़ल जोड़ा अलग-अलग तड़पैत रहैत अछि, अपन-अपन जिद्द आ पारिवारिक परिस्थिति मे ओ दुनू अपन प्राकृतिक प्रेमक सम्बन्ध सँ टूटल आ राति-दिन कुहरैत रहैत अछि।
 
कतेको लोक काल्हि सँ ई जिद्द लगौने छथि जे ई केस कतुका छी, कोन परिवार आ उत्पीड़नक शिकार के छथि…. लेकिन सच पुछू त ई केस मे एखन नाम लेबाक स्थिति नहि अछि। कारण हमरा सब केँ परिवार केँ जोड़बाक अछि, तोड़बाक कोनो टा भावना हम सब अपन मोन मे आनिये नहि सकैत छी। एहि केस मे कष्टपूर्ण बात ई अछि जे आइ करीब १५ दिन सँ सारा बात छानबीन कय लेलहुँ, अथक प्रयासक बादो लड़का पक्ष केर कोनो व्यक्तिक फोन नहि उठल आर आब समाजक प्रतिनिधि केर मार्फत सीधा आरोपी परिवार तक पहुँचबाक प्रयास मे छी। २०० व्यक्ति जे अपन-अपन नंबर देलनि अछि ताहि मे बेसी दिल्ली-मुम्बई वा बाहर रहनिहार लोक सब छथि संभवतः, जखन कि हमरा सब केँ चाही ग्राउन्ड जीरो पर रहनिहार ओहेन सज्जन जे ढंग सँ मध्यस्थता कय केँ दुइ बिछड़ल परिवार केँ जोड़ि सकैथ। ताहि लेल एखनहु अपेक्षित छथि किछु गंभीर आ बुझनुक लोक, जिनकर सम्पर्क नम्बर हमरा चाही। से कनेक अपनो लोकनि ध्यान देब।
 
केसक संछिप्त हिस्ट्रीः
 
*दूल्हा सरकारी नौकरी मे, दूल्हिन घर-गृहस्थी मे
*दूल्हिनक पिता दूल्हाक मांग अनुसार पाइ देलखिन आ सरकारी नौकरीवला खोआ सनक जमाय कयलनि बेटीक सुखक खातिर
*विवाहक किछुए दिन मे पता चलैत छैक जे दूल्हा समाज केँ देखेबाक लेल विवाह त कयलनि मुदा ओ पहिने सँ लयला-मजनूँ वला कोनो स्टोरी मे रहथि संभवतः ताहि कारण अपन कनियां सँ कोनो खास लगाव नहि बनेलन्हि, उल्टा कोनो न कोनो बहन्ना मे आरो पैसा-कौड़ी आदिक मांग कय हुनका संग दुर्व्यवहार शुरू कयलनि
*दुर्व्यवहार मे केहेन दुर्व्यवहार – अहाँ गाम मे रहब, हमर माय-बाबूक सेवा करब, मोबाईल नहि चलायब, अपन माय-बाबू सँ बात नहि करब, घरक सबटा काज अहाँ करब, आ हमरा संग जे मुंह लगलहुँ तेकरा लेल बाबू केँ कहिकय ४ लाख टका आरो दियायब
*पुनः दुनू परिवार केँ बुझेला-सुझेला पर अपना संग त रखलखिन मुदा छोटो बात पर मारापिटी केनाय, रसोई घर मे बन्द कय देनाय, खाना बन्द कय देनाय…. अनेक अत्याचार
*संयोगवश दुनू केँ एकटा बेटी भेलन्हि, बच्चा डेढ वर्षक छैक, ओकरा लेल दूध तक नहि कीननाय, कनियांक हाथ पर एको नया पैसा नहि देनाय आ मनमर्जी करैत एतेक कष्ट देनाय जाहि सँ आजिज भऽ ओ स्वतः कतहु भागि जाय ताहि तरहक वातावरण बनेलखिन
*तथापि दूल्हिन अपन अधिकार लेल जेना-तेना हिनका सँ मात्र नामहु लेल घरखर्च मंगैत छलखिन आ कोहुना नैहरा वा एम्हर-आम्हर पैंच-कर्ज लय केँ बच्चा केँ पोसैत छलीह, अपनो पापी पेट केँ निमाहैत छलीह
*पिता दूर परदेश प्राइवेट नौकरी मे, माय हुनक बीमार, तथापि अपन सन्तान केँ एना कष्ट मे देखि केकरा रहल जेतैक… समय-समय पर दूल्हाक धमकी पर हुनका नैहरा लय जाय बच्चा केँ कूपोषण सँ बचौलनि आ किछु समय रिक्त देलखिन जाहि सँ फेर दूल्हाक मोन मे अपन कनियां प्रति दरेग होइन
*आखिरकार जुलाई मास सँ अत्याचारक पराकाष्ठा भेला पर अपन प्राण रक्षा लेल पुलिस केँ ओ बजौलनि, केस वगैरह दर्ज भेल
*अदालत केर जज साहेब सेहो काउन्सेलिंग कय हुनका बुझा रहला अछि, ओ बेर-बेर समय लय रहला अछि
*एम्हर कनियां, बच्चा, कनियांक माय-बाबू-परिजन सब परेशान – ओम्हर दूल्हा फकैती मारिकय कनियां पर अत्याचारक नव-नव कथा गढैत रहैत छथि
 
एहि बीच ‘दहेज मुक्त मिथिला’ सँ सामाजिक स्तर पर एहि केस केँ कोहुना मिला देबाक आवेदन आयल। छानबीनक बात कहिये देल जे एखन धरि लड़का वा लड़का पक्ष बयान तक देबय लेल सम्पर्क मे नहि एलाह। आब २२ अगस्त उपरान्त भेंट करबाक बात अछि। कोहुना दुनू प्राणी केँ एक ठाम राखि आपस मे सामाजिक समझौता करेबाक नियत रखैत छी हमरा लोकनि। एहि बीच लड़काक पिता आ परिजन सँ सामाजिक पंचायत लेल लड़कीक पिता-मामा आदि सेहो औता आर दहेज मुक्त मिथिला तथा गोटेक आरो महत्वपूर्ण संस्थाक सहयोग सँ कोहुना ई केस मिलेबाक योजना मे छी हम सब। अपनो लोकनि अपना-अपना स्तर सँ एहि तरहक विपत्ति मे पड़ल जोड़ी केँ बचेबाक प्रयास करी, से निवेदन।
 
हरिः हरः!!
 
नोटः आइ-काल्हि एहि तरहक बहुते रास केस (घटना) घटि रहल अछि। ताहि लेल हमरा लोकनि किछु समय दय केँ समाधान लेल प्रयास करब त बहुत परिवार टूटय सँ बचत। सभक ध्यानार्थ – कृपया नम्बर मात्र नहि समय सेहो देब से गछय जाउ। विशेष सभक शुभ हो!!