Search

गुआहाटी एमएसयू द्वारा जैड़ केँ सींचनः मिथिलाक्षर आ मैथिली भाषा प्रशिक्षण कार्यक्रमक आयोजन

17 भ्यूज

राजन झा, गुआहाटी। अगस्त १४, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला स्टुडेंट यूनियन गुवाहाटी द्वारा रवि दिन “मिथिलाक्षर सीखु आ सीखाबु” साप्ताहिक कार्यशाला के शुरुआत कयल गेल जे हरेक रवि के 9-11 बजे धरि होयत जाहि में बच्चा सभकेँ मिथिलाक्षर के साथ साथ देवनागरी युक्त मैथिली पढबा, लिखबा आ बजय लेल सीखायल जायत, ताकि नव बच्चा सब अपन भाषा आ संस्कृति सँ जुड़ि सकय.
कार्यक्रम के शुरुआत दीप प्रज्वलित क गोसाउनि गीत सँ कयल गेल. उद्घाटन सत्र में राजन झा अपन स्वागत भाषण में मिथिलाक्षर के महत्व पर प्रकाश देलथि. मुख्य अतिथि डाँ ताराकान्त झा अपन संबोधन में मातृभाषा के महत्व पर प्रकाश राखलथि तथा मिथिला स्टुडेंट यूनियन के अपन ई दुरूह काज लेल शुभकामना देलथि. विशिष्ट अतिथि बी. एन झा मैथिली अा मिथिलाक्षर लेल कयल जा रहल ई प्रयास लेल हरसंभव मदति के आश्वासन देलथि आ मार्ग में आबय बला परेशानी सँ हतोत्साहित नहि हेबाक बात केलनि. कृष्णा मिश्रा मंच संचालन करैत मिथिला स्टुडेंट यूनियन के ई पहल पर बिस्तृत बात रखलनि. सत्र के रमन झा, प्रभाकर झा, संतोष झा आदि वक्ता लोकनि भी अपन बात सँ संबोधित केलनि. अंत में नित्यानन्द झा धन्यवाद ज्ञापन करैत पलायित मैथिलक दशा पर अपन बात रखलथि. ई वर्ग में सुरज, नीतीश, निक्की, विवेक, मनीष, कृष्णा पोद्दार, शिवेश राउत, अमन, ओम जी, प्रशांत आदि अनेक लोक उपस्थित भेलाह.

Related Articles