Search

खजौली प्रखंड क्षेत्र में पागल कुत्ता के आतंक

201 भ्यूज

 रिपोर्ट – “रविन्द्र भारती” खजौली, मधुबनी


 

खजौली प्रखंड क्षेत्र में विगत सप्ताह सँ किछ सनकाहा कुत्ता सब आतंक फैलाउने अछि। कन्हौली पंचायत सहित और बहूत पंचायत के लोग ई घटना के शिकार भs चुकल अछि। प्रखंड क्षेत्र के लगभग 40 सँ 45 व्यक्ति प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्रक चक्कर कतई रहल अछि। कारण कुत्ता काटल के जे भेक्सिन उपलब्ध नै अछि। अस्पताल प्रबंधन के मानु तs एका एक अहि तरहक रोगी संख्या एका एक बढ़ला सँ भंडारण स्तिथि गरबरा गेल छै। ई कारण सँ लोग काफी परेशान अछि, आ खजौली सँ मधुबनी आ आन – आन स्थान जा अपन अर्थ ख़र्च कs इलाज करा रहल अछि।

Related Articles