दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान सँ प्रेरित युवा कयलनि दहेज मुक्त विवाह
आर के दीपक, दरभंगा। जुलाई १२, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

स्वयं मनोज कुमार सिंह दहेज मुक्त मिथिला केर नारा ओ अभियान सँ प्रेरित भऽ बहुत पहिनहि अपन विवाह पूर्ण दहेज मुक्त करबाक लेल संकल्प लेबाक बात कहलनि। दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसेडर ई समाचार पठबैत अपन भावना किछु पद्यशैली मे रखैत कहलनि अछिः
दहेज सहेजव जीवनक कलेश !
लक्ष्मी समैझ पुतौह दिलक करेज !
प्यारक सनेस होय छय विशेष
जखन सीता स्वयं आबैथ अप्पन चौखैट।
अर्थात्
जीवनक नव भोर मऽ
दू संग–संगनी के ढोर मऽ
दहेजक खूट नय बांधल गेला सँऽ
स्नेह, एकता और प्यारक गंगा सदैत बहय छय ।
जेना – चिरंजीवी मनोज और आयुष्मती रूपम केर प्यारक गंगा केर पहिल निर्मल धाराक रूप अखंडता केर और एकता केर आभास दैत अछि ।
विदिते अछि जे दहेज मुक्त विवाह कयनिहार ‘दहेज मुक्त मिथिला’ अभियानकर्ता सँ पूर्व सूचना देलाक बाद यथासंभव सम्मान करैत समाजक आरो लोक मे एहि तरहक विवाह केँ प्रोत्साहन देबाक योजना संचालित कयल जा रहल अछि। ई सम्मान दहेज कूप्रथा केँ समाप्त करय मे आगू आबि रहल युवा-युवती केँ विशेष रूप सँ देल जाइत अछि। संगहि एहेन अभिभावक केँ सेहो उचित सम्मान दैत समाज केँ एहि तरहक स्वच्छ विवाह व्यवहार सँ सीख आ प्रेरणा लेबाक सन्देश देल जाइत अछि।