दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान सँ प्रेरित युवा कयलनि दहेज मुक्त विवाह
आर के दीपक, दरभंगा। जुलाई १२, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
वैह होएछ मर्दक लाल आ खुद एक बेजोड़ मर्द जे मर्दानगीक मैदान मे अपन मर्दानगी सिद्ध करैत अछि। जी हाँ! एहने एकटा आरो मर्दक लाल मनोज कुमार सिंह डंकाक चोट पर दहेज मुक्त विवाह कयलनि अछि। श्री मनोज कुमार सिंह मधुबनी जिलान्तर्गत ब्रह्मपुर दक्षिणी पंचायतक पैंता ग्रामवासी श्रीमती विंदा देवी आ श्री विद्यानंद सिंह केर सुपुत्र छथि। हिनक दहेज मुक्त विवाह आयुषमति कुमारी रूपम, सुपुत्री – श्री शिव नारायण सिंह ओ माता – श्रीमती जयन्ती देवी, ग्राम – हुलासपट्टी, पंचायत – ईनरवा संग काल्हि संपन्न भेलनि अछि। दहेज मुक्त मिथिलाक तरफ सँ सम्मान पत्रक संग पाग आ दोसल्ला ओढाकय हिनका सम्मानित कयल गेलनि अछि, ई सम्मान अभियानक स्थापित सिद्धान्त अनुसार सीधे बरियाती आ सरियाती सहित समस्त ग्रामीण-समाजक उपरस्थिति मे विवाह स्थल पर प्रदान कयल गेलनि। संस्थाक कुशेश्वरस्थान संयोजक कौशल कुमार ई सम्मान पत्र मधुबनी पहुँचिकय दहेज मुक्त दूल्हा मनोज कुमार सिंह केँ प्रदान करैत हुनक भरपूर यशगान कयलन्हि।स्वयं मनोज कुमार सिंह दहेज मुक्त मिथिला केर नारा ओ अभियान सँ प्रेरित भऽ बहुत पहिनहि अपन विवाह पूर्ण दहेज मुक्त करबाक लेल संकल्प लेबाक बात कहलनि। दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसेडर ई समाचार पठबैत अपन भावना किछु पद्यशैली मे रखैत कहलनि अछिः
दहेज सहेजव जीवनक कलेश !
लक्ष्मी समैझ पुतौह दिलक करेज !
प्यारक सनेस होय छय विशेष
जखन सीता स्वयं आबैथ अप्पन चौखैट।
अर्थात्
जीवनक नव भोर मऽ
दू संग–संगनी के ढोर मऽ
दहेजक खूट नय बांधल गेला सँऽ
स्नेह, एकता और प्यारक गंगा सदैत बहय छय ।
जेना – चिरंजीवी मनोज और आयुष्मती रूपम केर प्यारक गंगा केर पहिल निर्मल धाराक रूप अखंडता केर और एकता केर आभास दैत अछि ।
विदिते अछि जे दहेज मुक्त विवाह कयनिहार ‘दहेज मुक्त मिथिला’ अभियानकर्ता सँ पूर्व सूचना देलाक बाद यथासंभव सम्मान करैत समाजक आरो लोक मे एहि तरहक विवाह केँ प्रोत्साहन देबाक योजना संचालित कयल जा रहल अछि। ई सम्मान दहेज कूप्रथा केँ समाप्त करय मे आगू आबि रहल युवा-युवती केँ विशेष रूप सँ देल जाइत अछि। संगहि एहेन अभिभावक केँ सेहो उचित सम्मान दैत समाज केँ एहि तरहक स्वच्छ विवाह व्यवहार सँ सीख आ प्रेरणा लेबाक सन्देश देल जाइत अछि।

2 Comments
बहुत नीक समाचर अछी । दहेज मुक्त बनाऊ सब मिल के , क्याकि बहुत गरीब के बेटी के सादी के रिश्ता
तुइट जय य । हम सब साथ छि ।।जय मिथला ।। जय मैथिल ।।जय हो msu ।।
प्रभास जी और आशीष जी की जय हो
Happy marriage .
Happy family.
Good luck all