मैथिली साहित्य मे ‘मणि-श्रृंखला’क ऐगला कड़ी ‘बालमणि’, ई १४म मणि थिक

२९ जून, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मणि श्रृंखलाक १४म मणि (कड़ी) ‘बालमणि’ केर लोकार्पण काल्हि ३० जून २०१८ केँ मधुबनीक जीबछ चौक स्थित रिजनल सेकेन्ड्री स्कूलक प्रांगण मे समारोहपूर्वक कयल जायत। एहि समाचारक संग लेखक साहित्यकार सह आकाशवाणी दरभंगाक संचारकर्मी मणिकान्त झा एहि अवसर पर आम आमंत्रण सहितक स्टेटस फेसबुक सँ अपडेट कयलनि अछि।

ओ कहलनि अछि जे “हमरा द्वारा मातृभाषा मैथिली मे लिखल गेल एक सय बालगीत आ कविताक एहि पुस्तक के लोकार्पण ३० जूनक प्रात:७ बजे हजारो – हजार बच्चाक कर कमल सँ होयत । तदुपरांत ११ बजे सँ स्कूलक सभागार मे भव्य समारोह आयोजित होयत जाहि मे अनेक गणमान्य विशिष्ट जनक गरिमामयी उपस्थिति मे मैथिली मंचक दर्जनो स्थापित कलाकार लोकनि द्वारा बालमणिक गीत सबहक प्रस्तुति होयत । अपने सँ विनम्र निवेदन जे महात्मा गाँधी शिक्षण संस्थान ,दरभंगा द्वारा प्रकाशित एहि पुस्तकक लोकार्पण मे उपस्थित भ’ कृतार्थ करी ।”

अपन सम्पर्क नंबर ९४३१४५१४८९ पर्यन्त उपलब्ध करबैत एहि समारोह मे सहभागिता लेल आम आमंत्रण लेल साहित्यप्रेमी आ अभियानी सब केँ विशेष रूप सँ बजौलनि अछि। विदिते अछि जे एखन धरि कुल १३ गोट साहित्यिक मणि प्रकाशित आ विमोचित करबाक संग-संग वितरित सेहो कयल गेल अछि। आर ई समस्त मणि समाजोपयोगी होयबाक संग-संग जन-जन लेल उपयोगी अछि। साहित्य सँ संस्कार आ संस्कार सँ सभ्यताक निर्माण मे मणिकान्त झा केर ई मणि सब बहुत पैघ भूमिका निर्वाह कय रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक शुभकामना!!