समाचार साभार उज्यालो नेपाल
गौशाला । शिक्षा विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री गिरीराजमणि पोखरेल महोत्तरी जिल्लाक चारि टा विद्यालयमे मातृभाषा मैथिली शिक्षाक शुभारम्भ केलनि अछि ।
शनि दिन मन्त्री पोखरेल द्वारा श्री माध्यमिक विद्यालय बखरीभाठ, श्री जिवन माध्यम आधारभूत विद्यालय अंकार, श्री राष्ट्रिय आधारभूत विद्यालय बेला आर श्री नेपाल राष्ट्रिय आधारभूत विद्यालय महादेवपट्टिमे मातृभाषा मैथिली शिक्षाक शुभारम्भ कयल गेल अछि ।
मन्त्री पोखरेल एहि चारि टै विद्यालयमे विद्यार्थीक लेल १०० पूर्णाङ्कक मातृभाषाक मैथिली शिक्षा लागु हेबाक घोषणा करैत सब विद्यालयमे मैथिली शिक्षाक किताब समेत बाटने छलाह ।
ताहि चारि टै विद्यालयक प्राथमिक तहमे एखन मातृभाषा शिक्षाक रुपमे मैथिली शिक्षा लागू कयल गेलाक बावजूद जल्दिये प्रत्येक तहमे मैथिली शिक्षा लागू होयबाक बात मन्त्री पोखरेल कहलखिन ।