रविन्द्र भारती, दिनांक 03/06/2018, दिन -रविवार
मधुबनी, झंझारपुर

आय दिनांक 3/06/2018 (रविवार) के अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद नगर इकाई झंझारपुर द्वारा ललित नारायण जनता महाविद्यालयक प्रांगण में प्रदेश कार्यसमति सदस्य चेकितान कौण्डिन्य केर अध्यक्षता बैठक में आयोजित कयल गेल। जाहिमे परिवादक आगामी कार्य योजना प्रदेश अभ्यास वर्ग , सदस्यता अभियान आ नगर विस्तार के लेल चर्चा भेल ।
सभा के संबोधित करैत हुवे चेकितान कौण्डिन्य कहलिन कि परिषद्क कर्तव्य शिक्षा आ छात्रक विकाश अछि। आ सब कार्यकर्ता ई अभियान में बढी – चढी कs सहयोग केलैन।J
सभा के पूर्व नगर अध्यक्ष शंकर झा,एवं विश्वदेव आनंद सेहो संबोधित केलैन। मौका पs नगर मंत्री हिमकर कौण्डिन्य , नगर सह मंत्री रंजन बर्णवाल, महाविधालय अध्क्षय विष्णु विज्ञान झा, विकाश झा ,अविषेक झा, गोपाल जी झा, रजनीश ट्रक,नितिन कुमार,शंकर कुमार ,सोहन कुमार सहित बहूत रास छात्र उपस्थित रहलैन।