निशान्त झा, न्युज अफ मिथिला, दरभंगा – मैथिली जिन्दाबाद लेल – मई २०, २०१८.

श्री मणिकान्त झा, आकाशवाणी दरभंगा सँ – मैथिली जिन्दाबाद लेल
आइ दुपहरिया दरभंगा जिलाक बहेड़ी प्रखंड केर बिठौली गामक शंकर रोहार चौक पर बस केर पलैट गेला सँ चारि लोकक मृत्यु भऽ गेलैक आर एक दर्जन सँ बेसी लोक घायल अछि जेकर ईलाज स्थानीय पीएचसी तथा डी एम सी एच मे कयल जा रहलैक अछि ।
वरीय पुलिस अधीक्षक मनोज कुमार कहलनि जे मोटर साईकिल सवार केँ बचेबाक क्रम मे बिरौल सँ दरभंगा जा रहल यात्री सँ भरल बस अनियंत्रित भऽ पलैट गेल जाहि मे ठामहि पर मे मोटर साइकिल सवार सहित दुइ लोक केर मृत्यु भऽ गेलैक जखन कि आरो दुइ गोटाक मृत्यु ईलाज केर क्रम मे भऽ गेलैक। घटनाक संबंध मे ग्रामीण लोकनि बतेलनि जे मोटर साइकिल सवार केँ बचेबाक क्रम मे बस अनियंत्रित भऽ कय दुइ पलटी मारि रोडक नीचाँ खेत मे गुरैक गेल। हल्ला भेलापर लोक सभ बस मे सवार यात्री सभ केँ बस सीधा कय केँ निकाललक । फेर पुलिस तत्परता देखबैत घायल सभकेँ अस्पताल पहुँचेलक ।मृतक मे सँ एक केर पहचान बिठौली निवासी बस कंडक्टर मुकेश मंडल केर रुप मे कयल गेलैक अछि।