रहिका, मधुबनी। अप्रैल १०, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
विश्व भरिक मैथिल समाज मे अपन भाषा, साहित्य, संस्कृतिक संग-संग ऐतिहासिकता तथा मूल्यवान् परंपरा केँ जियाकय रखबाक युयुक्षा सर्वविदिते अछि, एहि क्रम मे पिछला कतेको वर्ष सँ मधुबनी जिलाक प्रसिद्ध गाम रहिका मे मैथिल समाज रहिका द्वारा हरेक वर्ष भव्यताक संग मिथिला विभूति पर्व समारोह मनबैत विभिन्न साहित्यिक-सांस्कृतिक कार्यक्रम सभक आयोजन कयल जाइत अछि जाहि मे समुचा मिथिला – भारत तथा नेपाल केर चिर-परिचित साहित्यकार, कलाकार, राजनीतिज्ञ, समाजसेवी आदिक जुटान होएत अछि, बहुत रास विषय पर सारगर्भित चर्चा-परिचर्चाक संग इतिहास प्रसिद्ध अमर योगदानदाता साहित्यकार लोकनिक नाम पर वर्तमान समय नीक योगदान सँ मैथिली भाषा-साहित्यक पृष्ठपोषण मे लागल सर्जक लोकनि केँ सम्मान प्रदान कयल जाइत अछि, संगहि राजनीतिज्ञ, समाजसेवी एवं युवा पीढी केँ अपन मौलिकताक रक्षा केर सन्देश देबाक लेल बहुत रास संकल्प तथा नव-नव घोषणा सेहो होएत अछि एहि आयोजन मे।
एहि वर्ष ८ अप्रैल सँ आरम्भ ई आयोजन ९ अप्रैल धरिक विभिन्न सत्र केँ सफल प्रस्तुतिक संग आइ तेसरो दिन निरन्तरता मे चलि रहल अछि। पहिल दिनक कार्यक्रम बितला पर प्रसिद्ध साहित्यकार – कवि उदयचन्द्र झा विनोद अपन स्टेटस मे लिखने छलाह – “मैथिल समाज, रहिकाक तत्वावधान मे त्रिदिवसीय मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह आठ अप्रैल क सुसंपन्न भेल। उद्घाटन कयलनि दरभंगाक सांसद कीर्ति झा आजाद, मुख्य अतिथि छलाह वैद्यनाथ चौधरी बैजू तथा अध्यक्षता कयलनि राजकुमार महासेठ। सचिव शीतलाम्बर झा आगत अतिथिक स्वागत कयलनि। सतीश चन्द्र मिश्र, महादेव सहनी, बी.डी. ओ. – रहिका, समेत अनेक स्थानीय लोक विभूति सभ केँ श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि। मधु राय, बबन जी, चन्द्र किशोर मंडल, रमानन्द झा रमण, एल आइ सी, प्रशान्त कुमार ठाकुर, मुरारी प्रभृति घनेरो कार्यकर्ता समारोह मे दत्तचित्त देखल गेलाह। चारि बजे तक चलल प्रोग्राम मे जटाधर पासवानक डोमकछ फराक सँ रेखांकित करबा योग्य लागल।”
स्थानीय युवा गौरव मिश्र अपन स्टेटस मार्फत सूचना हिन्दी मे देलनि जे “मैथिल समाज रहिका द्वारा आयोजित त्रिदिवसीय मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह रहिका मध्य विद्यालय मैदान पर शुरू हो चूका है, आज पहले दिन उद्घाटन दरभंगा के सांसद श्री कीर्ति झा आजाद ने बाबा विद्यापति पर माल्यार्पण और दीप प्रज्ज्वलित कर किया । मैथिल समाज रहिका के सचिव श्री शितलाम्बर झाजी ने कीर्ति झा आजाद जी का मिथिला के पारंपरिक पाग और दोपटा से सम्मान किये । मैथिल समाज रहिका के सदस्योंके साथ हजारों दर्शक उपस्थित थे। हमें भी कीर्ति झा आजाद से मिलने का मौका मिला। जय बाबा विद्यापति जय मैथिल समाज रहिका।”
तहिना दोसर दिन अर्थात् ९ अप्रैलक कार्यक्रमक मादे एक ‘आदर्श समाज, आदर्श गाँव रहिका’ केर आइडी सँ अपडेट भेटैत अछि जे “आइ मैथिल समाज रहिकाक दोसर दिन मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह केर आगाज भऽ चुकल अछि। आजुक उद्घाटनकर्ता मधुबनी केर विधायक श्री समीर कुमार महासेठ जी एवं मुख्य अतिथिक रूप में विधान परिषद सदस्य श्री सुमन कुमार महासेठ और चेतना समितिक अध्यक्ष द्वारा कयल गेल। मौका पर मैथिल समाज रहिकाक अध्यक्ष श्री राजकुमार महासेठ जी एवं सचिव श्री शितलाम्बर झा जी संगहि समस्त मिथिलावसी उपस्थित छैथ।”
एक अन्य प्रत्यक्षदर्शी पिन्टू कुमार यादव अपन स्टेटस सँ जनतब दैत छथि, “मिथिला विभूति स्मृति पर्व मे, मैथिल समाज रहिका द्वारा सम्मानित होइत मधुबनी जिला केर लाल बिहार विधान पार्षद सदस्य श्री सुमन कुमार महासेठ जी ।” (फोटो कैप्शन केर रूप मे)
तहिना जानल-मानल कवि एवं साहित्यकार विभूति आनन्द सेहो जानकारी दैत फोटो कैप्शन सँ स्टेटस अपडेट कयलनि अछि जे “मैथिल समाज रहिका द्वारा दिलीप कुमार झा केँ ‘किरण सम्मान’ सँ सम्मानित कयल गेल, संग मे संस्थाक सचिव शीतलांबर झा, अध्यक्ष राजकुमार महासेठ आ कवि उदयचन्द्र झा ‘विनोद’।” जखन कि स्वयं दिलीप कुमार झा अपना केँ ‘यात्री सम्मान’ सँ सम्मानित होयबाक जनतब फेसबुक स्टेटस मार्फत करौलनि अछि। ओ कहलनि अछि जे पहिल-पहिल यात्रीक अध्यक्षता मे ओ कविता पाठ कएने छलाह, आर पहिल सम्मान सेहो हुनकहि स्मृति नाम सँ भेटब सौभाग्यक बात भेल अछि। समारोह केर सामूहिक फोटो संग कवि-अभियानी-प्रकाशक नवारम्भ केर संचालक अजित आजाद सेहो सोशल मीडिया सँ एहि आयोजनक मादे सूचना प्रवाह कएने छथि।
चूँकि मैथिली-मिथिलाक कोनो आयोजन सँ जुड़ल समाचार लेल ‘मैथिली मीडिया’ केँ कोनो तरजीह कहियो खास ढंग सँ नहि देल जाइत छैक, ताहि हेतु मैथिली मीडियाक संचालक लोकनि अपना-अपना तरहें समाचार संप्रेषित करबाक प्रयास करैत अछि। मैथिली जिन्दाबाद सेहो फेसबुक स्टेटस आदि सँ खंघारिकय एखन धरिक आयोजन पर किछु समाचार राखि सकल अछि। आइ तेसर दिन सेहो ई कार्यक्रम निरन्तरता मे रहबाक सूचना अछि।
एखन तुरन्त श्री उदय चन्द्र झा विनोद द्वारा दोसर दिनक आयोजन पर प्रकाश दैत एकटा सूचना आयल अछिः
“
विलम्ब सँ भने शुरू भेल मैथिल समाज, रहिकाक दोसर रातिक कार्यक्रम मुदा भोर क देलक। नेपालक कवि कथाकार रामभरोस कापडि भ्रमर आ साहित्य अकादेमी मे मैथिलीक नूतन प्रतिनिधि प्रो. प्रेममोहन मिश्र विशेष रूप सँ सम्मानित कैल गेलाह । उल्लेखनीय बात छल जे चेतना समिति, पटनाक अध्यक्ष विवेकानन्द झा,सचिव उमेश मिश्र ,अखिल भारतीय मिथिला संघ, दिल्लीक महासचिव विजय चन्द्र झा सभा के संबोधित कयलनि। संस्थाक स्मारिकाक लोकार्पण भेल संगहि लोकार्पित भेल उदय चन्द्र झा विनोदक सद्यःप्रकाशित तेरहम कविता संग्ह इन्दिरा। डा. भीमनाथ झा एहि किताब आ एकर कवि पर बहुत रास बात कहलनि। विधायक सुमन कुमार महासेठ, विधान पार्षद समीर कुमार महासेठ मैथिलीक हित चिन्ता हेतु पुनः संकल्पित भेलाह। भीमनाथ झाक अध्यक्षता मे भेल कवि सम्मेलन मे तीसेक कवि काव्य पाठ कयलनि। विभूति आनन्द, जयप्रकाश चौधरी जनक, रानी झा, हरिश्चन्द्र हरित, मोहन यादव, सदरे आलम गौहर, अमलेन्दु शेखर पाठक, प्रीतम कुमार निषाद, गुफरान जीलानी, कृष्णकान्त मंडल आ लोकप्रिय चन्द्रमणि बेश जमलाह। अजित आजादक संचालन, वयोवृद्थ अध्यक्ष राजकुमार महासेठक सतत उपस्थिति उत्साहवर्धक। सचिव शीतलाम्बर झाक धन्यवादक संग संपन्न कार्यक्रम मे प्रो. उमाकान्त के किरण पुरस्कार आ युवा कवि दिलीप कुमार झा के यात्री पुरस्कार देल गेल।
तकर बाद भरि राति चलल गीत, नृत्य, मनोरंजन भरि पोख। प्रणव नार्मदेय, जीलानी, कृष्णकान्त मंडल लोकक नजरि पर चढलाह। डा. फूलचन्द्र मिश्र रमण मोन रहताह,।नव प्रतिभा अबैत जायत।काज आगाँ बढैत जायत।
मोन हल्लुक भेल। समारोह सफल रहल।जकरा जे कहबाक छलै निधोख कहलक। आश्वासन भेटल।लोक जुटल। एक स्वरे मंगलक समाज प्राथमिक शिक्षा मे मैथिली, सी बी एस सी मे मैथिली, राजकाजक भाषा मैथिली, द्वितीय भाषा मैथिली।धन्य भेल इलाकाक असमाहि लोक।संस्थाक आयोजन प्रशंसित भेल।”