Search

मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल दिल्लीक इन्दिरा गाँधी कला केन्द्र मे १६-१८ मार्च केँ सुनिश्चित

२५ जनवरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

चिर-प्रतिक्षित मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल २०१८ मे भारतक राजधानी दिल्ली मे होयबाक घोषणा काल्हि विधिवत् आयोजक संस्था मैथिली लेखक संघक महासचिव विनोद कुमार झा द्वारा कयल गेल अछि। दिल्ली स्थित विभिन्न मैथिली-मिथिलाक सक्रिय संस्था, व्यक्ति ओ समूह संग सहकार्य करैत मैथिली भोजपुरी अकादमीक भरपूर सहयोग संग ई आयोजन १६-१८ मार्च दिल्लीक इन्दिरा गाँधी कला केन्द्र मे आयोजित होयबाक निश्चित भेल अछि।

मधुबनी सँ आयोजक संस्था मैथिली लेखक संघक सचिव अजित आजाद द्वारा सामाजिक संजाल मार्फत उद्घोष करैत कहल गेल अछि जे पटना मे २०१५ आ २०१६ मे दू बेर सफलतापूर्वक आयोजित भेलाक बाद एहि बेर दिल्ली मे १६, १७ आ १८ मार्च केँ जनपथपर आयोजित भऽ रहल अछि। मैथिली लेखक संघ द्वारा आयोजित एहि तीन-दिवसीय आयोजन मे साहित्य, संस्कृति, समाज, मीडिया आदि पर गम्भीर परिचर्चा होइत अछि। पुस्तक प्रदर्शनी, मिथिला चित्रकला प्रदर्शनी, खान-पान आदिक स्टॉल आदि प्रमुखता सँ होइत अछि। एहि आयोजन मे अनेक संस्थाक सहभागिता रहैत अछि। एहि बेर दिल्ली मे हेबाक कारण सँ स्थानीय संस्था आ व्यक्ति सभक व्यापक सहयोग चाहबे करी। मैलेसक महासचिव सभ संस्थाक बीच समन्वय बनाक’ कार्य करबा मे सक्षम छथि। हुनका युवा लोकनिक बेस सहयोग आ समर्थन भेटि रहल छनि। वरिष्ठ लेखक लोकनि सभ तरहे संग छथिन। मूल संकट अर्थ जुटेबाक अछि आ कार्यक्रम निर्विघ्न सम्पन्न करबाक अछि। दिल्लीक मित्र लोकनिक सहयोग सँ विगत किछु वर्ष मे दिल्ली अनेक प्रतिमान गढ़लक अछि। ई फेस्टिवल एकटा आर विशेष आयाम जोड़त। अहं आ वर्चस्व सँ मुक्त भ’ सकल मैथिल समाज कृपया सहयोग करथि।

कुल ३ दिनक एहि साहित्यिक महाकुम्भ मे सत्रवार चर्चा विभिन्न महत्वपूर्ण सरोकारक विषय पर कयल जाएछ। प्रत्येक सत्र लगभग १ घंटाक राखल जाएछ। एहि सत्र मे सम्बन्धित विषयक परमज्ञाता – उत्कृष्ट विद्वान् लोकनि विमर्शीक तौरपर सहभागी होएत छथि। एहि वर्ष सेहो कुल १५ गोट विषय पर सत्र राखल जेबाक जनतब सचिव आजाद करौलनि अछि। एहि मे भारत आ नेपाल दुनू कातक मिथिलाक विद्वान् सहभागी होएत रहला अछि।

ओम्हर दिल्ली स्थित युवा मैथिल समाजक सक्रिय अभियन्ता शरत झा सेहो अपन फेसबुक मार्फत सकारात्मक सन्देश दैत उद्घोष कयलनि अछि जे हुनका लोकनिक साहित्यिक समूह मैथिली साहित्य सम्मेलन अग्रणी भूमिका निर्वाह करत। अपन भावोद्गार मे किछु पाँति सेहो समर्पित कयलनि अछीः

ई थिक मैथिलक त्योहार..!
सब मिलि करियौ नियार,
तखने लगतै घाट पार,
सुरु करू एहि पर विचार,
नेना-भुटका, बच्चा-बुच्ची;
कक्का-काकी, कंटिरबा सब यार;
ई थिक मिथिलाक त्योहार..!!

मिथिलाक त्योहार केर संज्ञा दैत सहयोगी हाथ सभकेँ अग्रिम बधाई सेहो शरत द्वारा दैत कहल गेल अछिः बिनोद सर, संजीव सिन्हा जी, अरुणाभ सौरभ जी, रामबाबू जी, प्रकाश भाई, कुमकुम जी आ जयंती जी के टीम के अग्रिम बधाई जे ई कार्यक्रम मैथिली साहित्य मे एकटा मील के पाथर सावित होमय।

कार्यक्रमक परिकल्पना अनुरूप सहभागिताक सूची तैयार करबाक लेल गम्भीर विमर्श मैथिली लेखक संघ व सहयोगी लोकनिक बीच काल्हिये सँ आरम्भ होयबाक जनतब किसलय कृष्ण द्वारा प्राप्त भेल अछि।

विदिते अछि जे विगत किछु वर्षमे मैथिलीभाषी जनमानस भारतीय राजधानी क्षेत्र मे अपन सशक्त उपस्थिति राजनीति, समाजनीति, संस्कृतिक संग-संग भाषा आ साहित्यमे सेहो सशक्तरूप सँ राखैत आबि रहला अछि, हालहि कतेको रास आयोजन एहि बातक गबाही बनल अछि। अतः एहि बेरुक मैथिली लिटरेचर फेस्टिवलक आयोजन दिल्लीमे नया कीर्तिमान स्थापित करत ई सुनिश्चित अछि। ध्यान एतबे राखक अछि जे आन-आन कार्यक्रम जेकाँ व्यक्तिगत वर्चस्वक भुमड़ी मे एहि जनसामान्यक हितक आ भाषा-साहित्यक परिधिमे रहयवला कार्यक्रमक दुरुपयोग नहि होय आर सचिव अजित आजाद केर उद्घोषणापर सभक ध्यान रहन्हि, मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ कार्यक्रम सफलताक शुभकामना!!

Related Articles