साभारः प्रत्युष सौरभ राजा फेसबुक अपडेट – २२ जनवरी, २०१८, लगभग ९ः२० सन्ध्याक समय
शोक – संदेश
डा॰ जगन्नाथ मिश्र, पूर्व मुख्यमंत्री (बिहार) एवं पूर्व केन्द्रीय मंत्रीक धर्मपत्नी प्रख्यात धर्मपरायण, शिक्षाविद् एवं समाजसेवी श्रीमती वीणा मिश्र केर आकस्मिक निधन।
डा॰ जगन्नाथ मिश्र, पूर्व मुख्यमंत्री (बिहार) एवं पूर्व केन्द्रीय मंत्री केर धर्मपत्नी 73 वर्षीय प्रख्यात धर्मपरायण, शिक्षाविद् एवं समाजसेवी श्रीमती वीणा मिश्र केर आइ दिनांक 22 जनवरी, 2018 केँ 3.30 अपराह्न गुड़गाँव केँ मेदान्ता मेडिसीटी अस्पताल में आकस्मिक निधन भऽ गेलनि। ओ विगत दिसम्बर, 2017 सँ बीमार चलि रहल छलीह। ओ कतेको रास शिक्षण संस्थान सबमे विभिन्न पदपर अपन बहुमूल्य योगदान दैत रहली। जाहिमे ललित नाराण मिश्रा कॉलेज ऑफ बिजनेस मैनेजमेंट, मुजफ्फरपुर केर उपाध्यक्ष, बिहार आर्थिक अध्ययन संस्थान, पटना केर उपाध्यक्ष एवं बिहार जन विकास मंच, पटना केर अध्यक्ष पद केँ सुशोभित करैत रहली। वाणी प्रिया केन्द्र केर माध्यम सँ समाज केर अन्तिम व्यक्ति धरि शिक्षाक प्रचार-प्रसार केर उद्देश्य सँ ओ जीवन-पर्यन्त एहि कार्य केर संचालन करैत रहली।
ओ डा॰ जगन्नाथ मिश्र केर राजनीतिक, सामाजिक एवं व्यक्तिगत जीवन केर उतार-चढ़ावक दिनमे काफी सक्रिय एवं सहभागी रहली। ओ संस्कृत केर भारतीय स्तरक प्रसिद्ध विद्वान स्व0 प्रो॰ पं0 गौरी नाथ मिश्र केर पुत्री छलीह। अपना पाछाँ तीन पुत्र, तीन पुत्री सहित भर-पूरल परिवार छोड़ि गेलीह। काफी मृदुभाषी, मिलनसार एवं धर्मनिष्ठ आचरण केर छलीह। संगहि लोकक दुख-सुख में हुनक सहभागिता बनल रहैत छलन्हि। हुनक निधन सँ स्वजन एवं समाज केर विभिन्न तबकाक लोकक अतिरिक्त राजनीतिक व्यक्ति सब द्वारा शोक एवं संवेदना प्रकट कयल जा रहल अछि।