पहिने कविता पाठ आ फेर माछ भात – प्रसंग शिवनगरक काव्य बैसार

शिवनगर, मधुबनी। जनवरी ८, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

कविता पाठ आ माछ-भात

रिपोर्ट- काव्य बैसार, अक्षय आनन्द सन्नी

मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड क्षेत्राधीन शिवनगर गाम स्थित गाण्डिवेश्वर स्थान परिसरमे चलंत मासिक कवि गोष्ठी काव्य बैसारक पन्द्रहम आयोजन सफलतापूर्ववक संपन्न भेल. शिवनगर गामवासी सुमंत कुमरक अध्यक्षतामे सुसम्पन्न भेल एहि आयोजनमे कविताक प्रति श्रोताक अभिरूचि कविता आ श्रोताक बीच एकटा नव पिहानी गढैत दृष्टिगोचर भेल. बाल कवि यशस्वी यशु आओर फूलबाबू यादवक बाल कविता स’ आरंभ भेल एहि बैसार मे आगंतुक अतिथि कें स्थानीय ग्रामीण ओ मेरिन चीफ इंजीनियर विनोद शंकर झा कविताक माध्यमे गामक परिचय करओलाह. तत्पश्चात दड़िमा स’ आएल युवा कवि प्रियरंजन झा, ब्रह्मपुरा गामक युवा कवि मनोज कामत, लदारी गाम निवासी गीतकार वाचस्पति ठाकुर, स्थानीय युवा कवि अक्षय आनन्द सन्नी, ठाढी गाम निवासी कवि राघव रमण, मधुबनी स’ युवा कवि प्रणव नार्मदेय, सतलखा निवासी कवि अवधेश झा, दुर्गौली गामक मैथिल प्रशांत आओर दामोदरपुर गाम निवासी कमलेश प्रेमेन्द्र सहित आन-आन कवि लोकनि विभिन्न विषय पर एक स’ बढि एक कविता ओ गजल पढि उपस्थित श्रोताक खरखाही लूटैत रहलाह.

एहि स’ पूर्व उपस्थित कवि द्वारा शिवनगर गामवासी ओ मैथिलीक आध्यात्मिक लेखक दिवंगत गिरीश चन्द्रक श्रद्धांजलिमे दू मिनटक मौन धारण कएने छलाह. संगहि अतिथि सभ कवि कें शिवनगर समाज दिस स’ गिरीश चन्द्र द्वारा लिखित “शिवनगर गाम गाथा” भेंट कएल गेल. अंतमे अध्यक्षीय आखरक बाद आयोजनक संयोजक मैथिल प्रशांत धन्यवाद ज्ञापित केने छलाह त’ संचालन कमलेश प्रेमेन्द्रक छलनि.

उपरोक्त अवसर पर अनिल झा, रोहित कुमार, त्रिलोक झा, विजय झा, भोला झा, अवधेश मिश्रा सहित दर्जनों लोक उपस्थित छलाह. एहि आयोजनक पहिल सत्रमे भरल कनकन्नी मध्य जत’ कविताक धाह अलग आनन्द देलक त’ ओतहि बैसारक दोसर सत्रमें माछ-भातक प्रीति भोज आयोजित कएल गेल छलैक. कार्यक्रमक आकर्षण बैसारमे बेसी स’ बेसी युवा तूरक कवि लोकनिक सहभागिता छल.