दिल्ली विश्व पुस्तक मेला सँ सीधे – मैथिली मचान लाइव २

मैथिली मचान लाइव – २
 
सीधे दिल्ली विश्व पुस्तक मेला सँ नवारम्भ प्रकाशनक संचालक अजित आजाद भाइ जनतब पठौलनि अछि – मैथिली मचानक बोहिनी काफी भव्य भेल अछि। आइ प्रथम दिन एखन धरि २० हजार टकाक हाराहारी मे बिक्री कयल जा चुकल अछि मैथिली पोथी।
 
एखन धरिक सहभागिता मे युवाक रुचि आ झुकाव काफी महत्वपूर्ण देखल जा रहल अछि। मैथिली मचान केर एहि प्रदर्शनी एवं बिक्री मे मैथिलीक विकास हेतु समर्पित कइएको सच्चा अभियानी लोकनिक सहभागिता सँ आगामी समय मे विश्व रेकर्ड बनबाक परिकल्पना सच होएत देखा रहल अछि।
 
एखन धरिक बेसी बिक्री होय योग्य विषय गीतनादक संग हरिमोहन झा आ मणिपद्मजी सब सन पुरान लेखक-रचनाकार कृत्तिक मांग अधिक अछि, तहिना नव मे विभूति आनंद, चंद्रमणिजी, श्याम दरिहरे एवं उषा किरण खान केर रचना सभक मांग अधिक देखा रहल अछि।
 
संलग्नः २ फोटो
 
हरिः हरः!!
 
Note: Let all Maithili speaking people know and take benefit of this golden opportunity!