(विश्व पुस्तक मेला २०१८, नई दिल्ली, प्रगति मैदान, हौल संख्या १२, १२ए, स्टाल संख्या ३८९)
सीधे पुस्तक मेला सँ भेट रहल समाचार अनुरूप जनतब दीः
१. विश्व पुस्तक मेला २०१८ मे मैथिलीक १ स्टाल उपलब्ध रहबाक गौरवपूर्ण जानकारी मेलाक ब्रोशर मे उपलब्ध (फोटो संलग्न)।
२. महामहिम राष्ट्रपति रामनाथ कोविन्द एवम् सम्माननीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केर संबोधन जारी (फोटो संलग्न)।
३. मैथिली मचान पर सब तैयारी लगभग पूरा – ५ बजे उद्घाटन – वरिष्ठ साहित्यकार डा. उषाकिरण खान द्वारा। (२ फोटो संलग्न)
४. मैथिली साहित्य महासभाक संजीव सिन्हा, वरिष्ठ मैथिल अभियानी ब्रजेश झा सहित जगह-जगह सँ मैथिल युवा अभियानी लोकनि मेलामे सहभागिता देबय लेल प्रस्थान कएलनि।
५. नवारम्भ प्रकाशनक संचालक एवम् कवि-अभियानी-साहित्यकार अजित आजाद पहुँचि गेल छथि दिल्ली, उपस्थित रहता सम्पूर्ण मेला अवधि धरि दिल्ली मे। बहुतो रास दिग्गज लेखक-साहित्यकार लोकनिक पहुँचबाक उम्मीद।
मैथिली जिन्दाबाद केर नजरि बनल रहत विश्व पुस्तक मेला – २०१८ पर!!
नोटः विश्व रेकर्ड बनेबाक लेल १००० आदमी द्वारा १००० टकाक पोथी किनला सँ संभावना प्रबल होयत। सब कियो पहुँचू, पोथी कीनू!