कविवर चन्दा झा विचार सह सेवा संस्थानक जिला कार्यालय केर आय भेल उद्घाटन

414

सहरसा-(मुरारी कुमार मयंक)
आय कविवर चंदा झा विचार सह सेवा संस्थानक जिला कार्यालय केर विधिवत उद्घाटन सहरसा केर सनातन नगर वार्ड नं 32 में भेल अछि।जतय आगमी 28 जनवरी केर कविवर के जन्मस्थान बड़गाम में मनेवाक निर्णय भेल अछि।जहि में साहित्य गोष्टि सह भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो हेबाक निर्णय भेल।उद्धाटन कर्यक्रमक अध्यक्षता चंद्रशेखर झाजि आ संचालन राजेश रंजन झा केलखिन। संस्थानक सचिव प्रभात रंजन झा बातोंलैंन कविवरक वास्तविक जन्मस्थान बड़गाम अछि। हिनक दैन मैथिली सहित्य में अतुलनीय अछि।महापुरुषों क याद करबाक गौरवक बात अछि।
उद्घाटन समारोह में मुकेश मानस,रमण झा, कवि अरविंद मिश्र नीरज, शैलेन्द्र शैली, मुरारी कुमार मयंक, वंदन वर्मा, अभिनाश खां, घुपचुप सिंह, शेखर मण्डल, गोपाल कृष्ण झा,राजेश रंजन, प्रवीण झा पिंटू, नरेश झा,राजा झा, बबलू कुमार, आदि गण्यमान लोक सब मौजूद रहल।