साहित्य अकादमी २०१७ पुरस्कारक घोषणा, मैथिली लेल नचिकेता भेला पुरस्कृत

नई दिल्ली, दिसम्बर २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

साहित्य अकादमी – नई दिल्ली द्वारा २४ भाषाक पुरस्कृत स्रष्टाक नाम केर घोषणा काल्हि २१ दिसम्बर, २०१७ केँ कयल गेल अछि। ७ गोट गद्य, ५ गोट पद्य, ५ लघु-कथा, ५ साहित्यिक आलोचना तथा १-१ गोट क्रमशः नाटक एवं लेख वास्ते पुरस्कारक घोषणा कय गेल विज्ञप्ति सँ स्पष्ट अछि।

काल्हि अकादमीक अध्यक्ष प्रो. विश्वनाथ तिवारीक अध्यक्षता मे सम्पन्न बैसार द्वारा समस्त २४ भाषा लेल चयनित विशिष्ट निर्णायक मंडली सदस्य द्वारा सुझाओल गेल नाम पर मोहर लगेला उपरान्त एहि पुरस्कारक सूचना देल गेल।

कविता संग्रह ‘जहलक डायरी’ लेल कवि उदय नारायण सिंह नचिकेता केँ मैथिली भाषाक पुरस्कार देबाक घोषणा कयल गेल अछि। डा. ब्रजकिशोर मिश्र, राजनन्दन लालदास तथा तुलानन्द मिश्र सहितक तीन-सदस्यीय निर्णायक मंडली मैथिली लेल पुरस्कारक चयन पर निर्णय कयने छथि।

अकादमीक पुरस्कारक रूप मे ताम्र-पत्र, चादर ओ १ लाख टकाक चेक देल जेबाक परम्परा अछि। एहि बेरुक समस्त पुरस्कार १२ फरबरी, २०१८ केँ नई दिल्ली मे समारोहपूर्वक हस्तान्तरण कयल जेबाक जनतब देल गेल अछि।

उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’ अंग्रेजीक अलावे बंगला आ मैथिली मे निरन्तर लिखैत आबि रहल छथि। नचिकेता स्वयं भाषा वैज्ञानिक होयबाक संग प्राध्यापकक रूप मे शान्ति निकेतन तथा एतय सँ अवकाश-ग्रहण कयला उत्तर एमिटी विश्वविद्यालय मे सेहो कार्य-योगदान देने छलाह। मातृभाषा मैथिली प्रति समर्पित सर्जक आ सेवक स्व. प्रबोध नारायण सिंह ओ अणिमा सिंह केर पुत्र नचिकेता केँ साहित्य क्षेत्र मे प्रतिभा विरासत मे भेटल स्पष्ट अछि, परञ्च अपन विलक्षण योगदान सँ ओहि विरासत केँ आगू बढेबा मे सर्वथा सफल मानल जाएत छथि। हिन्दी, संस्कृत आ गुजराती भाषा मे सेहो सृजनकार्य करबाक रुचि सहित सर्जक माता-पिता केर नाम मे समर्पित साहित्य अकादमीक पुरस्कार राशि – सम्मान पत्र आ समारोह केर समानता मे आइ कतेको वर्ष सँ मैथिली सर्जक सब केँ प्रबोध नारायण साहित्य सम्मान प्रदान करबा मे हिनकहि परिकल्पनाक चर्चा समस्त मैथिली संसार मे कयल जाएछ।

प्रो. नचिकेता केँ देल जा रहल ई सम्मान सँ समूचा मिथिला संसार मे प्रसन्नताक लहैर देखल जा रहल अछि। सामाजिक अभियन्ता सह मैथिली भाषा-साहित्य लेल अपन यथेष्ठ योगदान करैत आबि रहला युवा फ्रीलांसर संचारकर्मी ओ अभियानी अमित आनन्द कहैत छथि जे एहि सम्मान सँ स्वयं साहित्य अकादमीक सम्मान सम्मानित भेल अछि। यथार्थतः मैथिली भाषा आ साहित्य लेल उत्कृष्ट स्तरक योगदान करैत आबि रहला सर्जक – अभियानी – लेखक – भाषाविद् आ बहुप्रतिभाशाली प्रो. उदय नारायणसिंह नचिकेता केँ ई सम्मान हुनकर कृति लेल देल जा रहल अछि जे देरी सँ मुदा दुरुस्त आयल, मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सेहो हार्दिक बधाई।