अनाथ-बेसहारा बच्चा सब केँ देल गेल आर्थिक सहयोगः प्रवासी मिथिला समाजक निरन्तर योगदान

दोहा – कतार सँ रविन्द्र उदासी मालीक रिपोर्ट

नवम्बर १८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा कतार द्वारा फेर सँ बेसहारा गरीब परिवारक अनाथ बच्चा सब केँ आर्थिक सहयोग प्रदान कय पुण्यक काज कैल गेल अछि।

काल्हि नवम्बर १७ तारीख शुक्र दिन साबिकक सोनगामा गाविस मोरहा हाल हँसपुर नगरपालिका मोरहाक निवासी स्वर्गीय दिनेश पासवानक अनाथ बच्चा सब केँ प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहाक सदस्य विश्व बन्धु यादव, प्रमेश्वर यादव, मनीष कुमार राय तथा मनोज राय द्वारा नगद रु. २१,१११ टका हस्तान्तरण कैल गेल ।

स्वर्गीय दिनेश पासवान काठमाडौ ईंटा भट्ठा मे काज करय जाएत समय गौसाला मे ठिठुरकय मैर गेल छल । एमहर पासवानक तीन टा बच्चा आ पत्नी बिना कोनो कमेनिहारक जीवन-निर्वाह लेल संघर्ष कय रहल छल, मुदा किछु समय पूर्व तीनू बच्चा केँ अनाथ छोड़ि ओकरा सभक माय सेहो कतहु अज्ञात स्थान पर चैल जेबाक कारण एहि परिवारक कष्टक परावार समूचा गामक लोक केँ पीड़ा दैत आबि रहल अछि । एहेन अनाथ बच्चा सबकेँ दोसरक मुंहतक्कीक अलावे जीवन-यापन लेल दोसराक घरक बर्तन-बासन माँजिकय त जतय-कतहु केहनो बोइन कमाय लेल अवसर भेटैछ से सब काज कय केँ जीवन-निर्वाह करय लेल बाध्य अछि। एकरा लोकनिक रहयवला घरक हालत सेहो एतेक जर्जर छैक जे आगाँक जाड़ कोना निमाहत ई सोचनीय अबस्था मे पड़ल अछि।

एहेन कठिन संघर्षमयी परिस्थितिक जनतब भेटिते प्रवासी मिथिला समाज कल्याणक दोहा कतार केर फेसबुक सामाजिक संजाल मार्फत ध्यानाकर्षण भेला सँ उपरोक्त सहयोग करबाक वातावरण मिलल । एहि सँ पहिनहु प्रवासी मिथिला समाज संस्था द्वारा मधेश आन्दोलन मे शहीद भेल सप्तरी भारदह केर राजीव राउत केर परिवारजन केँ १,११,१११ टका आर्थिक सहयोग प्रदान कयने छल । तहिना मठिया – ६ रौतहट निबासी राज किशोर ठाकुर केँ ६६,००० टकाक सहयोग देल गेल छल । महोत्तरी बखरी अमित कापर केर ५१,००० टका टका आर धनुषा अरेरबाक दिलिप यादव केँ सेहो ५१,००० टका आर्थिक सहयोग समाज द्वारा कयल गेल । कुसमाहा सतोसर केर कतार मे Qmmc कम्पनी सेफ्टी आ लिफ्ट चलबयवला केर लापरबाही सँ २५-तला सँ गिर कय मैर गेल ज्याबुल हक राइन केर लास बहुत संघर्षक बाद पठेबाक कार्य सेहो एहि समाजक अगुवाई मे संभव भेल रहय । धनुषा जिल्ला सतोषर निवासी श्री सिरिया राय अमात केँ ५०,००० टकाक सहयोग करबाक काज सेहो कयल गेल छल । प्रवासी मिथिला समाज कल्याणक सदस्य सब मे बेचन महतो, बिश्व बन्धु यादव, रबिन्द्र उदासी माली, राम सोगारथ यादव, मनीष कुमार राय, जीबछ माली, धनेश्वर ठाकुर, बिन्देश्वर ठाकुर, अबदुल रजाक राईन, सनत राय, जितनारायण यादव, रंजित कुमार माली, गुरुदियाल, शिव शंकर मंडल, बिजय यादब, असरफ राईन, अनसारुल राईन, रुदल मुखिया, भरथ यादब, राम अधीन यादब, सत्रुधन मुखिया, बेचन महतो, अशोक सहनी, रामानन्द गुप्ता तथा बिरेन्द्र सिंह सहितक आरो सदस्य सब एकजुटता सँ एहि तरहक पुनीत कार्य सब करैत आबि रहल छैथ।