दरभंगा, नवम्बर १६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला स्टुडेन्ट युनियन केर छात्र-छात्रा द्वारा ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय पर विशाल धरना-प्रदर्शन

मिसू – एक नवगठित छात्र संगठन रहितो जाहि तरहें शिक्षाक बदहाली पर आवाज बुलन्द केलक अछि ताहि सँ मिथिलाक भूमि पर सेहो क्रान्ति संभव छैक ई सन्देश गेल अछि। एकजुटता आ शिष्टता सँ आन्दोलन केँ पूरा करबाक ऐतिहासिक कार्य मिसू द्वारा भेल अछि। सौशल मीडिया सँ हैश-टैग एमएसयूफोरएलएमएनयू मुहिम चलाकय अपार समर्थन जुटेबाक काज सेहो सफल रहल। तहिना दरभंगा आ मधुबनी जिलाक विभिन्न प्रखंड सँ नीक समन्वय करैत सैकड़ों छात्र एकत्रित होयबाक ई पहिल उदाहरण बनल। सूत्रक मानल जाय त एहि क्रान्ति सँ भारतीय जनता पार्टी ओ अन्य दल सभक छद्म छात्र राजनीति देखार होयबाक भय सँ एहि नवोदित छात्र समूह केर मुहिम केँ असफल बनेबाक भरपूर प्रयास कयल गेल, परन्तु एकजुटता सँ छात्र सभ अपन मांग अन्ततोगत्वा प्रशासन सँ मनबाकय मात्र मानलक। आगामी समय मे मांग पूरा नहि भेला पर आरो सशक्त आन्दोलनक चेतावनी मिसू द्वारा वक्तव्य मे कहल गेल अछि।
अपुष्ट समाचार ईहो भेटल अछि जे भाजपा समीप किछु नेतागण छात्र सभक एकजुटता केँ भंग करबाक लेल स्थानीय मिसू नेतृत्व पर मनगढंत आरोप लगाकय मारि-पीट सेहो केलक अछि। सोशल मीडिया सँ वायरल भऽ रहल किछु विवादास्पद स्थिति सेहो एहि बातक संकेत कय रहल अछि जे छात्र सभक एकजुटता सँ दलाल प्रवृत्तिक दलीय राजनीति कयनिहार कतहु न कतहु चिन्तित भऽ गेल अछि जे आगाँ ओकरा सब लेल जातिक नाम पर वोट लैत सत्ताक स्वाद चाखबाक सपना अधूरा नहि रहि जाएक। कतेक लोक नाजायज धन खर्च कय केँ जे सत्ताक स्वाद चखैत अछि ओत्तहु छात्र सभक एकजुटता सँ हड़बड़ाहट देखल जा रहल अछि। हर तरहें मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन एक ऐतिहासिक प्रदर्शन सँ समूचा राष्ट्र मे मिथिलाक जनमानस मे सेहो क्रान्ति करबाक कूब्बत छैक ई सिद्ध कय चुकल अछि।