Search

व्यवहार परिर्वतन के लेल एकदिवसीय स्वच्छता कार्यक्रम …

“रवीन्द्र भारती” खजौली,मधुबनी तिथि- ०४/०९/२०१७,दिन- सोम



 सखी वाटर एड परियोजनाक सहयोग सँ कन्हौली पंचायत हरिशवाड़ा गाम में विशेष ट्रेनर रणवीर सिंह(CLTS), एवं सहयोगी कृष्ण कुमार मिश्र द्वारा मुखिया रामाशिष सिंह के अध्यक्षता में एकदिवसीय लोहिया स्वछता,आ सखि संस्था के बैनरतल ग्रामिण सब में ‘व्यवहार परिवर्तन’ हेतु कार्यक्रम आयोजन कयल गेल। जाहि कार्यक्रम में सरपंच प्रभाकर सिंह, वार्ड सदस्य विजय दास, ड्रा० सुधिर सिंह,प्रदिप कुमार,गंगा देवी,सुशिला देवी,बीणा देवी सहित सैकड़ो स्त्री-पूरुष उपस्थित भs कार्यक्रम के सुनीकs देखिकs लाभ उठौलैन।

नजरी नक्शा द्वारा जनचेतनाक प्रयास

नजरी नक्शा द्वारा जनचेतनाक प्रयास

प्रशिक्षक रणवीर बाढि उपरांत होबय बला बिमारी, दुषित जल, खुला में पैखाना, सँ होबय बला बिमारी सँ ग्रामिण सब के अवगत करौलैन।

सखि संस्था और विस्तार पूर्वक समझेंबाक लेल जमीन पs गामक सुंदर नजरी नक्शा बना फेर खुला में शौच सँ गामक सुंदरता क्षति सहित बिमारी के प्रवेशक मुख्य कारण बतौलैन। एवं जल ही जिवन सँ जल ही विनाश केर कारण कोना भs जायत छैक ।

कार्यक्रम अध्यक्ष मुखिया रामाशिष सिंह ग्रामीण

सखि,वाटर एड बैनर

सखि,वाटर एड बैनर

सबके अपिल केलैन जे अपन-अपन घर में शौचालय बनाउ, सरकार के तरफ सँ प्रोत्साहन राशि के बारे में  जनौलैन। वो कहलखिन जे हरिशवाड़ा किछ वार्ड में पुर्णरूपेण शौचालय निर्माण उपरांत किछ परिवार खुला में पैखाना करैत देखल गेल अछि। ग्रामीण स्त्री सब सँ विशेष अपील केलैन जे अपन घर में शौचालय निर्माण के लेल आगा आउ।

Related Articles