भारदह, सप्तरी, नेपाल। अगस्त २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
अतिवृष्टि एवं पहाड़ी नदी मे बाढि सँ नेपालक सप्तरी जिला काफी प्रभावित भेल छल। दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक अध्यक्ष करुणा झा केर नेतृत्व मे भारदहक समीप मैनकरड़ी व आसपास केर गामक बाढिग्रस्त मानव-समुदाय लेल हेल्थ कैम्प लगाओल गेल अछि। ई कैम्प आइ भोरे ९ बजे सँ चिकित्सक, स्वास्थ्य जाँच सहायक आदि सहित दहेज मुक्त मिथिलाक कार्यकर्ता संग बाढि ग्रस्त क्षेत्रक लोक वास्ते निःशुल्क स्वास्थ्य शिविर लगेने अछि। ई समाचार लिखबाक समय धरि लगभग ६०० आदमीक स्वास्थ्य जाँच केलाक बाद औषधि सेहो उपलब्ध कराओल गेल अछि। बाढिग्रस्त क्षेत्र मे सर्दी, खोंखी, जर-बोखार आदिक प्रकोप बेसी रहैत अछि। एहि समय होमयवला बीमारी एक रोगी सँ दोसर रोगी मे सरैत रहबाक खतराक कारण समय पर उचित इलाज होयब सेहो बहुत आवश्यक होएत छैक। दहेज मुक्त मिथिलाक तरफ सँ ग्रामीण भेग मे जतुका लोक केँ इलाज करेबाक लेल शहर जेबाक कम संभावना रहैत छैक ओतय जाय ई शिविर लगेबाक बात केँ लाभूक लोकनि खूब प्रशंसा कएलक अछि।
विदित हो जे सप्तरी जिलाक मुख्यालय राजविराज मे अवस्थित दहेज मुक्त मिथिलाक प्रधान कार्यालय सँ करुणा झा केर नेतृत्व मे दहेज विरुद्ध – महिला हिंसा विरुद्ध आर अशिक्षाक अन्त लेल समय-समय पर बहुतो तरहक कार्यक्रम सभक आयोजन होएत आयल अछि। वर्तमान स्वास्थ्य शिविर सँ ग्रामीण क्षेत्रक लोक केँ काफी सुविधा भेटबाक बात ग्रामीण सब कय रहल छल। एहि शिविर मे दहेज मुक्त मिथिला संग छिन्नमस्तिका इन्स्टीच्युट राजविराज केर सहयोग सेहो रहल, करुणा झा कहलैन। एहि तहरक शिविर आरो-आरो स्थान पर लगायल जायत ओ मैथिली जिन्दाबाद केँ जनतब देलनि।