Search

अखिल विद्यार्थी परिषदक जिला संयोजक पs जानलेवा हमला, प्राथमिकी दर्ज..

123 भ्यूज

“रवीन्द्र भारती” तिथि 18/08/2017 शुक्रवार



मधुबनी- सोम दिन  14 अगस्त के अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदक जिला संयोजक गीतेश झा पs देर शाम 8 बजे के आस पास मधेपुर जवाहर +2 उच्च विद्यालय पs भाजयुमो जिला उपाध्यक्ष विकास झा एवं हुनक किछ साथिसब जानलेवा हमला कs देलक जाहिमें गीतेश झा के गंभीर चोट लागल आ, वो तत्काल बेहोश भs गिर पड़लाह। ई हमला के संदर्भ में जिला संयोजक गीतेश झा, मधेपुर थाना में प्राथमिकी 71/17 दर्ज करौलैन।

छात्र शक्ति, राष्ट्र शक्ति

          छात्र शक्ति, राष्ट्र शक्ति

गौरतलब अछि जे विकास झा पs मधेपुर थाना में काण्ड संख्या 50/17 तथा 52/17 के तहत पहलीही सँ अपराधिक मुकदमा दर्ज अछि। ऐहन में एक संगठनक जिला संयोजक पs जानलेवा हमला और छीना झपटी एक संगठन के उपाध्यक्ष के दायित्व प्राप्त व्यक्ति के व्यक्तित्व पर प्रश्नचिन्ह खड़ा करता अछि, आ भारतीय जनता युवा मोर्चाक पदाधिकारि के ध्यान आकृष्ट करैत अछि। यदि भाजयुमो एहन संगठन एहन अपराधिक प्रवृति के व्यक्ति के ख़िलाफ़ करवाई नै करत तs विद्यार्थी परिषद उग्र आंदोलन करबाक लेल बाध्य अछि। ई संमर्पुण जानकारी जिला संयोजक महोदय स्वयं प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत जनौलैन।



विज्ञापन के लेल संपर्क करु हमर watapps- 9534303907,email- [email protected]

Related Articles