मधुबनी, खजौली, सँ ”रविंद्र भारती” के रिपोर्ट. दिनांक ११.०८.२०१७, शुक्रवार
- नव जानकारी अनुसार कोनो डायन जोगिन नै, बल्कि बर्षाति कीड़ा जेका छै ।
- दिमाग नै मानैत अछि मुदा सबके दिल में हाँ जरूर अछि, आखिर की छै इ झोटकटवा से जनय के प्रयास आखिर प्रशासन कीएक नै लैत अछि एन्ना कान में तेल धय सुतला सँ काज चलतै ?
- एकै दिन में घटल दुइ जगह झोट काटय के घटना , दुनू पीड़िता सकुशल .कोनो तरहक शारीरिक कष्ट नै ।
- गाम गाम सनाटा और भय पसरल अछि ।
-
हम झोटकटवा के सच होयबे के दवा नै करैत छी , और पार्थना करैत छी जे ई अफवाह से बाची और्व अपन गम समाज के बचाबि।

चतरा में बालिका के कटल केश
मधुबनी – खजौली प्रखंड के चतरा गाम में दिनांक १०.०८.२०१७ के राति ०२.०० बजे लगभग राजेंद्र ठाकुर के पोती के सुतल अवस्था में केश काटी लेलक। हलाकि पीड़िता बालिका के कोनो तरहक शारीरिक काश नै भेल मुदा भयभीत अवश्य भS गेल । बालिका के संगे हुनकर दादी सेहो सुतल छल मुदा हुनका कोनो तरहक नुकसान नै भेलैन ।
⇒ दोसर घटना चतरा सँ १ किलो मीटर दूर महाराजपुर गाम में देवनारायण महतो के पुत्री मूर्ति कुमारी के काल्हि सांझ लगभग ०७.०० बजे केश काटी लेलक । मूर्ति कुमारी आ हुनकर जेष्ट बहिन एक बच्चा अँगना में दुहैर पर बैठल रहें तखने मूर्ति के लगलैन जे केओ केश खींच रहल अछि । मुड़ी देखलक आ माथ पS हाथ देलक तS किछ केश कटल छल, देखा देखि भीड़ जम्मा भS गेल । केश जमीन पS गिर पड़ल , परिजन सब बारी झारी में खोजबिन केलक मुदा केयो, कुछ नै भेटल । इ घटना के विस्तार सँ पुछला पS पता चलल की केश में वर्षात के समय जेहन पाखी वाला कीड़ा निकलैत अछि ओहन कीड़ा कटल केश पS टहिल रहल छल , ओ कीड़ा के पैर सँ मसैल देलक । पीड़िता के बयान और परिजन के बयान और विशेष जानकारी इ विडिओ में देखि …..
गाम में भय के माहौल बनल अछि . अधिकतर बच्चा के परिजन सब स्कूल आदि बाधित कय देने छथिन ।
झोट कटवा के आतंक दिन – प्रतिदिन बढ़ल जा रहल अछि, गाम गाम एतेबैक हल्ला अछि जे आय एम्हर तS कैल्ह ओम्हर . आखिर की छै केओ एकर तह तक नै पहुंच पाबि रहल अछि।