“रविंद्र भारती” मधुबनी, दिनांक – ०५/०८/२०१७
शैक्षणिक अराजकता, भ्रष्टाचार,बेरोजगारी के विरोध में अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदक नगर इकाई बाबूबरही के द्वारा नव सदस्यता अभियान का शुभारंभ, +2 जेन हाईस्कूल बाबूबरही सँ कयल गेल। ई सदस्यता अभियान पूरा देश मे प्रत्येक वर्ष 1 अगस्त सँ ३१ अगस्त धरि चलाओल जाईत अछि।
उक्त अवसर पs छात्र नेता अशोक कुशवाहा कहलैन जे ई इस वर्ष मधुबनी जिला सँ बिहार में रिकॉर्ड तोड़ सदस्य बनेबाक लक्ष्य पs कार्य कयल जा रहल अछि । ई अभियानक शुभारम्भ नगर मंत्री- अशोक कुशवाहा के द्वारा संयुक्त रूप सँ केलैन । अशोक कुशवाहा कहलैन जे विद्यार्थी परिषदक उद्द्येश्य हमेशा सँ राष्ट्र निर्माण में अधिक सँ अधिक भागीदारी होय आ राष्ट्र विरोधी गतिविधियों का मुँहतोड़ जवाब देबाक उद्देश्य रहैत अछि । मौका पs उपस्थित कार्यकर्ता सब छात्र प्रमुख नेता गोपाल झा, सहित दर्जन भरि कार्यकर्ता उपस्थित रहलैन। प्रथम दिन रोशन कुमार सहित करीब 100 छात्र – छात्रा सदस्यता ग्रहण लेलैन। अखिल विद्यार्थी परिषद् छात्र संगठन हमेशा शिक्षा शिक्षा, भरष्टाचार,छात्र हित, समाज हित में कार्य करैत आयल अछि । छात्र सब के इ संस्था सँ जोड़ी कs छात्र के स्वालम्बी आ अपन हक़ के लड़ाई लरबाक गुण सिखाबैत अछि। संगे विद्यार्थी सब में संस्कार मातपिता, गुरुजन के प्रति सांस्कारिक बनेबाक पैघ कार्य करैत अछि ।