जयनगर सँ बौआ झा जी के रिपोर्ट, मैथिलि जिंदाबाद- 04/08/2017
समस्या-
जयनगर शहर के मुख्य बाजार महावीर चौक के सुरेका अतिथि भवन वाला गली में एकौटा चापाकल नै भेलाक कारण राहगीर सबके जल पिबय में यत्र- तत्र भट कs पड़ैत अछि।

मृत पड़ा चापाकल को दिखाते लोग मैथिलि जिंदाबाद- 04/08/2017
इ भिक्षण गर्मी आ रौद में राहगीर सब बेहाल भs जाइत अछि. एक मात्र चापाकल छल जकरा स्थानीय नास्ता दुकानदार सब मिल मरमत करबैत छल आ उपयोग करैत छल , मुदा उहो चापाकल मृत घोषित भs चुकल अछि . इ पs कोनो प्रशासन सुधि नै लs रहल अछि . जबकि सरकार के योजना में अछि घर-घर जल, जब राहगीरो के जल नै भेटैत अछि तs , इ सब कागज और भाषण मात्र बनी चुकल अछि।
अखन कोनो पार्टी देखै बाला नै छै, जाहि सँ, ओतय के जनमानस आक्रोशित अछि । उक्त बात अखिल विद्यार्थी छात्र नेता धर्मेंद्र झा उर्फ बौआ झा कहलैन।