विधुत विभागक लापरवाही सँ वृद्ध महिलाक मौत, गिरल ग्यारह हजार तार…

मधुबनी :” रविन्द्र भारती” दिनांक २१.०७.२०१७

घटना मधवापुरक प्रखंडक वासुकी गाम बिहारी उतरी के मुखियापट्टी टोल के अछि । आय भोर मो. नजीर राइनक ५५ वर्षीय पत्नी के शरीर पs ग्यारह हजारक तार गिरला सँ वृद्ध महिला के घटना स्थले पs मौत भs गेल । महिला अपन खेत सँ आबैत छल वाही कर्मा में लटकल ११००० तार देह पs आबि गिरल ।

                                                                    मधवापुर : मृत महिलाक सब

ग्रामीण सब बतौलैन जे लिखित व् फ़ोन के माध्यम सँ जानकारी देल गेल छल,मुदा विभाग कनियो कण बात नै देलक। विभागीय लापरवाही सँ भेल मौत पs ग्रामीण सब आक्रोशित भs गेल आ मधवापुर, मधुबनी, दरभंगा, सीतामढ़ी, जाय बाला मुख्य बाट के अवरुद्ध कs देलक, आ प्रदर्शन करय लागल । संवाद प्रेषण तक बाट जाम छल , जाहि सँ उक्त बाट अवरुद्ध अछि । 

विधुत विभाग के लापरवाही एक जगह नै , बल्कि बहुतो जगह पर देखय के मिलत। आखिर कहिया धैर अहिना बेगुनाह के जान सँ खेलत से नै जाइन ई विधुत विभाग ।