श्रमदान महादान अछि सिद्ध कय देखौलक कन्हौली ग्रामवासी ……..

 रवीन्द्र भारती: रविन्द्र भारती,खजौली, मधुबनी


खजौली प्रखंड के कन्हौली हाट चौक स्थापित बाबा कमलेश्वर नाथ महादेव जे कमला नदी के तट पर स्थित अछि। कमला घाट और कमला पार जायवाला रास्ता के मो० मस्जिद और राम कु० पासवान द्वारा पुर्णत: अतिक्रमण कय लेल गेल छल, जाहिक कारण नदि में टपनाई और जल भरनाइ सहित कमला पार करय माल मवेशी सहित गाड़ी टैक्टर,एंव कृषि कार्य बिलकुल अवरूद्ध छल। जाहिके ग्रामीण सभक श्रमदान व कड़ी मेहनत सँ संमभव भेल ।
अतिक्रमणकारी सब अहि सँ पहिले ग्रामीण सभक विरोध करैत आबी रहल छल, मुदा ग्रामीण सबके एकजुटता आ तत्परता को देख स्थिर भेल। मौका पर पहुँचल मुखिया रामअशिष सिंह और सरपंच प्रभाकर सिंह ,वार्ड सदस्य विजय दास आदि लोकसब समझौलैन आ बाट व घाट कार्य में अवरोध नै करवाक लेल कहलैन और अवरोध करला पर कानूनी कारवाई होयत से चेतावनी देलैन।
श्रमदान महान कार्य में नागेश्वर प्रसाद,गंगा राम चौ०,जलन मंडल,विनोद राम,रामप्रित राम,मुन्ना पासवान,दिनेश पासवान,चन्देश्वर प्रसाद,प्रदिप सिंह,नन्द लाल सिंह,राम प्रताप LIC, बिपिन मंडल, मिथिलेश सिंह , हैप्पी सिंह,सुधिर सिंह,पिंटु सिंह , सहित अन्य ग्रामीण सभक का सहयोग रहल। हमेशा एकता में बल होयत अछि,ई सिद्ध कs देखौलैन।