ABVP झंझारपुर ईकाई द्वारा वृक्षारोपण मास प्रारम्भ …..

“रविन्द्र भारती” खजौली मधुबनी

अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदक 69वाँ स्थापना दिवस के पुनीत अवसर पर जिला संयोजक गीतेश झा के नेतृत्व में विद्यार्थी परिषदक झंझारपुर विभिन्न नगर एवं महाविद्यालय इकाई द्वारा वृक्षारोपण मासक शुभारम्भ कयल गेल। ई शुभ अवसर पर उपस्थित जिला संयोजक इ आशय के जानकारी दैत कहलैन जे पर्यावरण के संरक्षित करबाक वृक्ष लगौनाई आ अकर रक्षा करब बहुत जरूरीअछि । इ काज बहुत कठिनो नै छै । एक वृक्ष सौ पुत्र के बराबर होयत अछि, वृक्षारोपण आ वृक्ष सँ होबय बाला फायदा और वृक्ष नै संजोला सँ कि जिवन विकराल जिवन भs जायत से छात्र – छात्रा आ अभिभावकगण के समझौबाक प्रयासकेलैन । अतः ई हमारा सभक कर्तव्य अछि कि अपना जीवनकाल में अधिक सँ अधिक वृक्ष लगावि। आय इ अभियान के प्रथम दिन विभिन्न स्थान पs लगभग 100 अन्य अन्य पौधा लगाओल गेल। ई अवसर पर नगर अध्यक्ष शंकर झा, नगर मंत्री हिमकर कौण्डिन्य, छात्र संपर्क प्रमुख चेकितान कौण्डिन्य, अभिनव ठाकुर,जितेंद्र राम,वरुण कुमार, नगर उपाध्यक्ष किशोर कुमार ,राजु यादव, श्याम भजन कामत, धर्मेंद्र कुमार, कृष्णमोहन कुमार, कार्यालय मंत्री शुभम झा सहित ढेरों कार्यकर्ता उपस्थित व सहभागी रहलैन।