“रवीन्द्र भारती” खजौली मधुबनी 23/06/2017
होटल वाटिका संतुनगर मधुबनी में जी एस टी के कार्यशालाक ट्रेनिंग अयोजित कयल गेल छलि । एकदिवसीय ट्रेनिंग क्रार्यक्रम में सहायक आयुक्त वाणिज्यिक कर – योगेन्द्र प्रसाद , काॅमन सेवा केंद्रक जिला अधिकारी – मनोज महतो, जिला समन्वयक – कुणाल कुमार झा , आयकर कर्मी अनिल कु० अकेला सहीत जिला के विभिन्न ठाम सँ लगभग ३०० सौ भी एल ई पहुँच ई क्रार्यक्रम के सफल बनौलक ।
जीएसटि के लs ग्रामिण क्षेत्र में विभिन्न प्रकारक सवाल आ उत्सुकता दुविधा अछि , जाहि के दुर करबाक लेल मधुबनी जिलाक १०८७ भि एल ई जे ग्रामिण परिवेश में स्थापित काॅमन सेवा केंद्र गामक छोट पैघ दुकानदार आ व्यवसायी सब के जिएसटि सँ जोड़य में मदद करत । क्रार्यक्रम में जि एस टि व्यहार आ संचालनक संमपुर्ण जानकारी देलैन। ट्रेनिंग के आसान रूप सँ सफल बनौबाक लेल प्रोजेक्टर के सहायता सेहो लेल गेल ।