दरभंगा के बहेड़ी थााना के हावीडीह गांव में तनावक माहौल कायम अछि।

दरभंगा के बहेड़ी थााना के हावीडीह गांव में तनावक माहौल कायम अछि।  सबके मुताबिक पुलिस टीमक द्वारा फायरिंग कयल गेल। फायरिंग के दौरान २-३ लोक सबके के गली लगबाक सुचना शुत्र सब सँ पता चलल । पुलिसक ई कार्रवाई सँ लोकसब में आक्रोशक माहौल बनल अछि। लाठीचार्ज और फायरिंग के दौरान कतेको लोक गंभीर रूप से जख्मी भs चुकल अछि । हालांकि पुलिसक मुताबिक विवाद के सुलझेबाक लेल पहुंचल पुलिस टीम पर खिसियायल भीड़ सब हमला करलक। पुलिस दावा कय रहल अछि जे भीड़ के तरफ सँ कयल गेल हमलाक दौरान कतेको पुलिसवाला जख्मी भs गेल। ओहिंक बाद बेकाबू भs चुकल भीड़ के नियंत्रित करबाक लेल प्रशासन द्वारा हवाई फायरिंग केल गेल ।बताओल जा रहल अछि , कि बीतल राति एकटा शव लs दफनेबाक रोकलाक विवाद खड़ा भेल। अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी अंजनी कुमार के कथन मुताबिक एकटा विवादित जमीन पर शव के दफनेबाक कारण विवाद भेल। मौका पर पहुंचल पुलिस टीम दुनु पक्ष के लोक सब सँ शांति व्यवस्था कायम रखबाक अपील केलक। मौका पर पुलिस अधिकारि सबक टीम पहुंच दुनु पक्ष सँ बातचीत के माध्यम से मामला सुलझेबाक प्रयास केलक। हालांकि बाद में मामला तूल पकड़ैत चली गेल और वैहक बाद पुलिस के लाठीचार्ज और फायरिंग करय पड़ल । उग्र भs चुकल भीड़ पुलिसक वाहन में सेहो आग लगा देलक।

सुत्र के मुताबिक सदर एसडीओ के बॉडीगार्ड आफताब आलमक राईफल जब्त भs गेल, घटना स्थल सँ राईफलक पंद्रह खोखा बरामद भेल बाकी खोखाक तलाश जारी अछि, एससीएसटी के तहद गौ हत्या क़ा मामला दर्ज होयत , मृतक परिजन सब के मिलत सरकारी योजनाक लाभ , दरभंगा के जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह याही बातक पुष्टी केलक । एसडीओ के बॉडीगार्ड आफताब आलम पर दफा 302 के तहद मामला दर्ज , तथा निलंबित करबाक बात के सेहो जिलाधिकारी सिंह पुष्टि केलक।