निवर्तमान गृहमन्त्री निधिकें कएल जएतनि भव्य स्वागत

244

निवर्तमान गृहमन्त्री निधिके कएल जएतनि भव्य स्वागत

धैर्यकान्त दत्त,जनकपुरधाम।२मई २०१७,मैथिली जिन्दावाद!!

नेपाली काँग्रेस धनुषा प्रधानन्याधीश सुशीला कार्की उपर लगाओल महाअभियोगक प्रस्ताव पर असन्तुष्टी जनबैत उपप्रधान तथा गृहमन्त्री पदसँ राजीनामा देने काँग्रेस नेता विमलेन्द्र निधिके जनकपुरमे भव्य स्वागत करबाक तैयारी कएलक अछि । नेपाली काँग्रेसक जनकपुर नगर समितिक मंगलदिन बैसल बैसार वृहस्पतिदिन जनकपुर आबि रहल निधिके भव्य स्वागत करबाक निर्णय कएलक अछि । निधि जानकी नवमीक अवसर पर आयोजित कार्यक्रममे सहभागी होबए वृहस्पतिदिन जनकपुर आबि रहल छथि । हुनकर जानकी नवमीक अवसर पर जानकी मन्दिरद्धारा आयोजित कार्यक्रममे सहभागी हएबाक संगहि ओहिदिन दुपहर २ बजे जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघमे आयोजना होबएबला कार्यकर्ता जमघटमे भाग लेबाक कार्यक्रम रहल नेपाली काँग्रेस धनुषा जनओलक अछि । तहिना हुनकर शुक्रदिन महावीर युवा कमिटीक हालहि सम्पन्न निर्वाचनसँ नव निर्वाचित पदाधिकारीसभक शपथ ग्रहण कार्यक्रममे सेहो सहभागी हएबाक कार्यक्रम रहल जनाओलगेल अछि ।

मंगलदिन सम्पन्न नगर समितिक बैसार संविधान संशोधन मार्फत मधेश मुद्दा संवोधन करबाक स्थान पर वर्तमान सरकार प्रधानन्यायधीश उपर महाअभियोग प्रस्ताव लगा कऽ स्वतन्त्र न्यायपालिका उपर हस्तक्षेप कएने निष्कर्ष सेहो निकाललक अछि । महाअभियोगक प्रस्ताव अविलम्व फिर्ता लऽ कऽ संविधान संशोधन तथा देशमे निर्वाचनक वातावरण बनाबएलेल बैसार सरकारसँ माँग कएलक अछि ।